मधेश सरकारकेँ घेरलक शहिद परिवार

9 दिन पहिले प्रकाशित
62 पटक देखिएको

जनकपुरधाम–१२गते,जेठ़ । सयोस’अधिक मधेशक अस्तित्वरक्षक सभकेँ बलिदान पछाइत देशमे संघीय शासन व्यवस्था आएल छै । मुदा संघीय व्यवस्था अएला बादो मधेशक नाम पर शहादत देनेसभकेँ प्रदेश सरकार एक नजैर देख नइ रहल छै ।
एहि तरहक आरोप लगबैत मधेश प्रदेश सरकारके वर्तमान नेतृत्वकर्तासभ शहिद परिवारकेँ कसौटी पर सही नइ उतैर रहल छथि ।
पर्सा जिलावासी मधेशी शहिद चन्दन पटेलके पिता अवधेश प्रसाद पटेलको संयोजकत्वमे मुख्यमन्त्री तथा मन्त्री परिषद्के कार्यालय मधेश भवन आगा आइ दिन भरि मधेशी शहिद परिवारक महिला पुरुषसभ धर्ना घेराउ कएलक ।
बिगतमे मधेश प्रदेश सरकार जे व्यवस्था सभ कएने छल ओ अखनुका मधेश सरकार सभकेँ भंगठा देने छै । तैँ हमसभ आन्दोलन करब पर बाध्य बनल छी । आन्दोलनकारी अनिलकुमार यादव बजलाह ।
‘मुख्यमन्त्री सुन हइ मुदा करत किछो ना हई’ ! जनमतबा शहादति लोक लेल ना बा ! इहो आउरे पाटी जइसन हो गेल ! सीमाञ्चल समदियासंगके सम्पर्कमे आएल आन्दोलनकारी शहिद परिवारक भोजपुरी, बज्जिका भाषी महिला लोक बाजल हुनेक शब्द समावेश कएल छै ।
मधेशी शहिद एवं घाइते परिवारे तत्वाधानमे आई सोमदिन १२गते बैशाखस’ अनिश्चितकाल हेतु धर्ना आन्दोलन शुरु कएलगेल छै । मधेश प्रदेश सरकार ‘ मधेशी शहिद प्रतिष्ठानमे अबिलम्ब नियुक्ति कएल जाए’ ! ‘मधेशी शहिद परिवार आ मधेश आन्दोलनमे घाइते भेलहासभकेँ स्वास्थ्य बिमा लागु कएल जाए’ !
‘शहिद आ घाइते परिवारक बाल–बच्चाकेँ पठन–पाठन हेतु छात्रबृत्तिके व्यवस्था तत्काल कएल जाए’ ! शहादती एवं घाहिल प्रति परिवारमेस’ एक गोटेकेँ योग्यता दक्षताक आधारमे ‘एकपरिवार एकरोजगार’ तत्काल बहाली कएल जाए ! बस एतबे मांग राखिक’ आन्दोलनमे मधेश आन्दोलनक शहिद एवं घाहिल परिवारजनके लोक आन्दोलनमे उतरल छै ।
मधेश सरकार तत्कालिन मुख्यमन्त्री लालबाबु राउतके कार्यकालमे उल्लेखित सबटा काज पुरा भेल छल । मुदा अखनु जनमत पार्टी, नेकपा एमाले आ नेपाली काँग्रेस नेतृत्वक गठबन्हनके सरकार ओ सबटा काज रद्द कए देने छै ।
तैँ सुचारु कराबक लेल बेरबेर वर्तमान मधेश सरकारके मुख्यमन्त्री शतिस कुमार सिंहस’ आग्रह कएलो पर नइ कए रहल छै । नइ करब सेहो प्रष्ट नइ कहैए । आन्दोलनक अगुवाइकर्ता अवधेश प्रसाद पटेल सीमाञ्चल समदियाकेँ बतौलाह ।