स्वास्थ्यकर्मीसभ मुख्यमन्त्री कार्यालय घेरक धर्ना देलक

सीमाञ्चल समदिया

2 महीना पहिले प्रकाशित

149 पटक देखिएको

जनकपुरधाम२५गते,चैत । स्तरबृद्धि हेतु देने ज्ञापनप्रति ध्यान नइ देलास’ स्वास्थ्यकर्मीसभ  मधेश प्रदेशके मुख्यमन्त्री तथा मन्त्रीपरिषद्के कार्यालयकेँ घेरक बिरोध जनौने छै ।
  

सोमदिन अखनु दुपहरियामे मुख्यमन्त्री तथा मन्त्री परिषद्के कार्यालय मधेश भवन आगु सहभागी हजाराक संख्यामे रहल स्वास्थ्यकर्मीसभ नाराख जुलुस लगबैत धर्ना देलक ।
    

प्रदेश भरिमे १५०० सयस’ १८०० जतेक अनमि तथा अहेब कार्यरत् रहल छै । हिनकासबकेँ स्तरबृद्धि नइ कएल गेलास’ प्रति महिना ९ हजार जतेक दरमाहा सञ्चय कोष आदि सुविधामे कटौती होइत जारह छै ।

 

जाहि विषयमे सम्बन्धित पक्षकेँ ज्ञापन मादे जनतब कराओल जाचुकल छै । मुदा ध्यानाकर्षण करौला बादो मुख्यमन्त्री ध्यान नइ देलाह । तैँ स्वास्थ्यकर्मी सबहक विभिन्न संगठनसभ सम्मलित भ’ नगरमे बिरोध प्रदर्शन कएलक ।

संगहि संग नारा जुलुस लगबैत मुख्यमन्त्री कार्यालयके मिल्स एरियामे घेराउ कएने अछि । संघर्ष समितिक संयोजक मोहन साह जनतब देलाह ।
  

 मांग पुरा नइ होब’धैर धर्ना–अनशन अनिश्चितकालधैर आइस’ जारी रहत तेहन आन्दोलनात्मक कार्यक्रम तय कएलगेल छै । ई बात संघर्ष समिति मादे जनतब भेटल ।

यो खबर पढेर तपाईलाई कस्तो महसुस भयो ?