माताके स्मरणमे पुत्रव्दारा विद्यालयमे डेस्कब्रेन्च

7 घन्टा पहिले प्रकाशित
20 पटक देखिएको

जनकपुरधाम–भादव–३१गते । प्रेस तथा प्रजातन्त्र सेनानी निर्भिकताक प्रतिमूर्ति महामना राजेश्वर नेपालीके अद्र्धाग्नि सरस्वती देवीके पाँचम् पुण्य तिथि पर विद्यालयसभमे डेस्क ब्रेन्च प्रदान एवं वृक्षारोपन कार्यक्रम कएलगेल अछि ।
अपन मायक पुण्यतिथि पर युवा समाजसेवी हुनकपुत्र राघवेन्द्र प्रसाद साह जनकपुरधाम वार्ड नंं.२३ स्थित श्रीराम लक्ष्मण राष्ट्रिय प्राथमिक विद्यालय लादोवेलामे डेस्क ब्रेन्च प्रदान कएलाह अछि । विद्यालयमे बिद्यार्थीसभके बैसक पढ़ब–लीखब लेल कठिन होइत छल । ओहि बातके ध्यानमे राखिक काठके डेस्क ब्रेन्च देलगेल अछि । जाहिस’ विद्यार्थीसभ अत्यन्त प्रसन्न भेल अछि ।
सीमा पार भारत बिहार राज्यके सीतामढी जिलाके मरपाकचोर ग्राम निवासी रामचरित्र साह एवं पार्वती देवीके दोसर सन्तानके रुपम दिवंगत सरस्वती देवीकेँ २००७ साल माघ ५ गते जन्म भेल छल ।
२०२३ बैशाख ३१ गते महामना राजेश्वर नेपालीसंग हुनक वैवाहिक सम्बन्ध कायम भेल छल । कोरोना महामारीक समयमे ५४ वर्ष ४ महिनाक दाम्पत्य जीवन बिताक’ २०७७ साल भादव–३१ सरस्वतीदेवीकेँ निधन भगेल छल ।
जनकपुरधाम उपमहानगर पालिका वडा नं.२३ के वडाअध्यक्ष समेत रहल राघवेन्द्र बालिका–बालिकाके पठन–पाठनमे सहजता हेतु १० जोड़ा डेस्क–वेन्च विद्यालय परिवारकेँ अपार हर्षकसंग हस्तान्त्रण कएलाह अछि ।
बार्डअध्यक्ष बनला बाद कतेकोबेर उपमहा नगरपाकिला प्रमुख मनो साह, प्रदेश सरकारक मन्त्री, स्थानिय सरकारमे विद्यालय विकास लेल योजना मांग करैत रहलीह मुदा राजनिति पहुंच नहि भेने सम्ंभवन नहि होब’ सकल से हमरा कहितो लाज होइए बतौलाह ।
बच्चा–बुच्चीसभकेँ भूइए पर बैसक पढ़ब देखिक’ मोनमे क्षोभ कचोट होइत छल । आइ अपन मायक स्मृतिमे बालबालिकाके बैसक’ पढ़ वास्ते डेस्क वेन्च हस्तान्तर क’क’ बड मन हर्षित भरहल अछि । भावुक होइत राघवेन्द्र बजलाह ।
जल्दीइ १० जोर टेबुल ब्रेन्च जय गोविन्द वचत तथा ऋण सहकारी संस्था लिं आ १० टा रविन्द्र मेमोरिय हस्पिटलस’ सेहो विद्यालय हेतु उपलव्ध कराएब ओहो भरोस ओ दियौलाह ।
कार्यक्रममे डा.शम्भु साह, पुर्व वडासदस्य कैलाश साह,युवानेता केवल कुमार शर्मा, सफिकुल्ला राईन, सरफुदीन राइन, वडासदस्य मोहिनुदिन राई, वेचन मुखिया, मुन्नी साह, शिक्षक आशिक अलि एवं प्रध्यापक भारती ठाकुर ‘ देशक विभिन्न आन्दोलनमे अपन श्रीमान् प्रजातन्त्र सेनानी महामना राजेश्वर नेपालीकेसंग पुरैत सरस्वती देवी परिवर्तनमूलक हरेक अभियानमे अहंम भूमिका निमाहने छलथिन ।
आजुक पाँचम् पुण्यतिथि पर शिक्षाके सुधारमे हुनक पुत्रद्वारा कएलगेल सहयोग हुनकहि देल संस्कारक देन अछि ।’ कहिक प्रशंसा कएलन्हि । एहि अवसरमे डेस्क वेन्च हस्तान्तरण संगहि वृक्षारोपण सेहो कएलगेल छल ।