जेनजी युवा आन्दोलनकेँ उच्चस्तरीय न्यायिक छानबिन होएतः गृहमन्त्री

9 घन्टा पहिले प्रकाशित
39 पटक देखिएको

जनकपुरधाम–भादव–३१गते । जेनजी युवासभके आन्दोलनमे १०४२ टा सवारी साधन एवं ७२ गोटे जीड़–मरिक’ सुड्डाह भेल अछि । आन्दोलनमे सार्वजनिक सम्पतिकेँ डाहब, तोड़फोर करब काज भेल, ओहिकेँ जाँच पड़ताल हेतु उच्चस्तरीय न्यायिक छानबिन समिति गठन करब सैद्धान्तिक सहमति बनल अछि ।
मङ्गलदिन राजधानीमे नवनियुक्त गृहमन्त्री ओमप्रकाश अर्याल एहि बातक जनतब पत्रकारसभकेँ देलन्हि । हुनक कहब अनुसार एहे भादब बितल २३–२४ गतेके आन्दोलनमे मात्र नेपालक राजाधानी काठमाण्डौमे १०४२ बाहन जडि़क सूड्डाह भेल अछि । ७२ गोटे मारल गेल अछि । तहिना ओ घटनामे २ हजार ३ तीनसय १६ गोटे घाहिल भेल छै ।
घाहिलसभ मादे २ सय ८३ गोटे अधमरु राजधानीकेँ विभिन्न अस्पतालमे उपचारार्थ भर्ती अछि । प्रधानमन्त्री सुशिला कार्की नेतृत्वक वर्तमान सरकार मृतक परिवारजनकेँ राहत स्वरुप १०/१० लाख तथा शवकेँ दहन, लजाएब, क्रियाक्रम आदि हेतु ५लाख मिलाक’ प्रति परिवारकेँ पन्द्रहलाख टाकाक दरस’ राहत रकम प्रदान कएल जाएत ।
काठमाण्डौमे सूड्डाह भेल बाहनसभमे ४ सय ४१ टा चारिचक्किया बाहन(कार,जीप) एवं ६०१ दू चक्कीय वाहन(मोटर साइकिल–स्कुटर) रहल अछि । जाहिमे सार्वाधिक सवारी साधन सडक डिभिजन कार्यालयकेँ डाहल गेल अछि ।
युवाआन्दोनमे घुसपैठ पैल संकेत भेटल अछि से आशंका व्यक्त करैत मन्त्री अर्याल प्रधानमन्त्री तथा मन्त्री परिषद्क कार्यालयके ४७ टा चारिचक्कीया वाहन एवं ७४ टा मोटर साइकिल आ स्कूटर डाहिक’ सूड्डाह भेल अछि । शहरी बिकास तथा भवन निर्माण कार्यालयक ५० चारिचक्कीया वाहन एवं २ सय मोटरसाइकिल आ स्कूटर डाहिक’ सूड्डाह भेल अछि ।
अर्थ मन्त्रालयकेँ ३८ टा जीप–कार एवं ५४ टा मोटरसाइकिल आ स्कूटर डाहिक’ छाउर बना देलगेल अछि । स्थानीय विकास तथा समान्य प्रशासन मन्त्रालयकेँ २ टा बस, ३३ टा जीप, कार, ३६ टा मोटरसाकिल आ स्कूटर अग्निमे डहिक भष्म भगेल अछि ।
सर्वाच्च अदालतक ५१ टा चारिचक्कीया बाहन एवं अनगिनत दूचक्कीय वाहनमे आन्दोलनकारीद्वारा धधकाओलगेल आगिमे जडि़क स्वाहः भगेल बुझएमे आएल अछि ।