युद्धग्रस्त युक्रेनस’ दूवर्षबाद सकुशल घुरलाह जयप्रकाश

12 दिन पहिले प्रकाशित
108 पटक देखिएको

जनकपुरधाम–४गते आश्विन । मधेश प्रदेश रौतहट जिला निवासी एकटा समान्य नागरीक रुश–युक्रेन युद्ध के ओजहस’ अज्ञात छल । आइ अपन गाम सकुशल घुरला पर स्वागत सम्मान कएलगेल अछि ।
रौतहट हरिहरपुर गाम निवासी जयप्रकाश साह रश–युक्रेन युद्धके कारण युक्रेनमे फंसिगेल छल । घर परिवारक लोक अत्यन्त कठिन जीवन जीवैत, जीनगी रहत की जायत ।
घर परिवारके फेरस’मूँह देखब की नइ एहि अन्देशा आ दुबिधामे साह युक्रेनमे दिन काटैत आविरहल छल । संसद एवं पूर्वमन्त्री आ आम जनता पाटीक अध्यक्ष प्रभु साह हुनक सकुशल रीहाइ लेल अपनो दिसस’ होबबाला प्रयास कएने छलाह ।
शुक्र दिन सकुशल जयप्रकाश नेपाल घुरि अएला पछाइत मौलपुर नगर पालिकाके मेयर रीना साह एवं नेता प्रभु साह खुशीव्यक्त करैत पतिकेँ सकुशल उद्धार कार्यमे अहोरात्र सक्रिय रहल आ सम्बन्धित सभठाम आबाजाही करैत रहलीह ।
एहि हेतु जयप्रकाश संगे हुनक पत्नी राजमति देवी साहकेँ बिशेष सम्मान करैत धन्यवाद देलगेल अछि । टीका लगाक चदरि(खादा) ओढाक’ नेता प्रभु साह आ मेयर रीना देवी साह नवजीवनक हार्दिक बधाई एवं शुभकामना देलैन्ह अछि ।