जनकपुरस’ काठमाण्डौधरि संविधान एवं करिया दिवस

सीमाञ्चल समदिया

13 दिन पहिले प्रकाशित

55 पटक देखिएको

उपेन्द्र भगत नागवंशी,
आइ देशभरि संविधान दिवस विभिन्न कार्यक्रम करैत मनाओल गेल अछि । काठमाण्डौमे राष्ट्रपति भवन शितल निवासमे राष्टपति रामचन्द्र पौडेल एवं जेनजी आन्दोलनक उब्जा प्रधानमन्त्री सुशिला कार्की, उपराष्ट्रपति रामसहाय यादव, गणतान्त्रिक नेपालक पहिल राष्ट्रपति डा. राम बरण यादव, पूर्व प्रधानमन्त्री डा. बाबुराम भट्टराई विशेष समारोहमे सामेल छलाह ।
 

संघीय लोकतान्त्रिक व्यवस्था मूलक वर्तमान संविधान २०७२ सालमे जारी भेल छल । जेकर एहिबेर दशक समारोह छल । मुदा संविधान जारी भेलहे समयस’ संशोधनक बात उठैत आएल अछि । तराइ मधेश केन्द्रि दलसभ एहि दिनमे कारिया दिबसकेँ रुपमे बिरोधात्मक कार्यक्रम करैत आएल अछि ।

 

आइयो मिथिला नगरि जनकपुरधाममे बिरोध प्रदर्शन कएलगेल । संविधानकेँ डाहल सेहो गेल । मुदा प्रमुख दलसभ नेकपा एमाले, नेपाली काँग्रेस, नेकपा माओवादी सहितक दलसभकेँ प्रमुख अगुवा नेतासब भरुबा भगेल नेत घट्टा बनिगेल आ देश जनताक भावनाके कदर नइ करसकला पर बितल भादव २३ आ २४ गते युवासभके तेहन आन्दोलन भेल जाहिमे सत्ताधारीक सत्ताधरि उधिया देलक ।

 

जेनजीकेँ ओ आन्दोलनमे सरकारी नीजी नेतासभके लगानीके व्यवसायिक प्रतिष्ठान ,घर आदिमे आगि फूकिक’ डाहि देलक । घटनामे सुरक्षाकर्मीद्वारा समेत मीलाक पौनै एकसय जते लोककेँ मृत्यु भेल । संविधान दिवसमे हत्या कराबबाला, आन्दोलन करहुबाला आ देशके बेरागर्क पुगाबहुबाला एवं नेता नीतिगत तहमे रहल सभकेँ सेहो हेंज देखलगेल । एहिस’ देशक भविष्य की होएत आ संविधान रक्षा जेना होइत आएल छल हम छाल्ही चटैत रहि आ अहाँ सड़क पर चिचिआइत डिरियाइत रहु ओ संकेत सेहो भेटल अछि ।

 

     जनकपुरधाममे संघीय लोकतान्त्रि संविधान लोकतन्त्रमे पत्रकारिता विषयक अन्तरकृया नेपाल पत्रकार महासंघ धनुषाक सहयोगमे कायापलट नामक संस्थाद्वारा कएलगेल । महासंघ अध्यक्ष पुरण साहक सभापतित्वमे कार्यक्रम भेल छल ।
  

 

 संविधान मूलकानुन होइत अछि । मुदा ओकर कार्यान्वयनकर्ता नेत घोंटाह नइ होए, बेदागी होए तखनि ने ! नेत आ नीति दुनु जतह गड़बर होए ततह सुधारक उपाय नइ होइछ । घोंटाह नेतघट्टा बेंटछुटा कार्यान्वयकर्ताकेँ बदलब बेगरता होइत अछि । सम्भवतः तहिस’ जेनजी युवापुस्ता मात्र डेढ़ दिना आन्दोलनमे नेपालक नवइतिहास लीखलक । जेहन कहियो नइ भेल छल तेहन आन्दोलन भेल आ ततबे जनधनके क्षति भेल ।

 

    आइए नेकपा एमाले सचिव रघुबिर महासेठ पुरे ताम झाम दलबलसंग काठमाण्डौस’ अपन गृह जिला जनकपुरधाम अएलाह । फेर दलढोलकीयासब जय–जय करैत संविधान बचाउके स्वर धनकौलक । एहो संविधान दिवसके अवसर पर भेल अछि ।

 

हालहि भेल आन्दोलन आ शहातिसभकेँ खौझाबक काज एक तरहें कएलगेल अछि ओ बुझल जाय चाही । आन्दोनमे हुनको घर सुड्डाह भेलैक । मुदा जेहन दमघम देखौलन्हि ओहन अखनु करब उचित नइ छल कतहु नइ कतहु ओ इगो देखार भेलैक आ फेरस’ ओहने पुरने रबैयामे हमसभ प्रमुख दल प्रमुख नेता देश आ जनताक नाममे जनताके उपेक्षित करैत रहब ओ संकेत देलाह अछि ।
  

 

 जनकपुरधामके जनकचौकमे फेरस’ गठबन्हन बनौने मधेश केन्द्रित दलसब संविधान दहन करैत  शुक्रदिन करिया दिवस मनौलक । मुदा एहि संविधानके मानिक’ सपथ खाक सत्तामे सामेल भेल सरकारमे रहल तहिया संविधान ठीक अखन फेरस’बेठिक । जनभावना बिपरितके करिया दिवस जनकपुरधाम सहित आनो जिलामे आ महन्थ ठाकुरक नेतृत्वमे काठमाण्डौमे सेहो मनाओलगेल अछि । 

 

जेन्जी आन्दोलन चलैत आ संसद भङ्ग कएला पर संविधान रक्षाक बात विषय नइ उठाब सकल एहन दू धारे मानस्किताक मधेशबादीयो दल अछि ओ कि आब परिवर्तनक  अनुभूति कराब सकताह विचारनीय अछि ।

यो खबर पढेर तपाईलाई कस्तो महसुस भयो ?