प्रतिबन्धित मादकपदार्थके भण्डारण केन्द्र बनैत मधेश ?

2 दिन पहिले प्रकाशित
58 पटक देखिएको

उपेन्द्र भगत नागवंशी
जनकपुरधाम । धनुषा प्रहरी मुखियापट्टी–मुसहरनियां गाउँ पालिका अन्तर्गतस’ अधिक मात्रामे अबैध रुपस’ ट्रकमे लादिक लाविरहल प्रतिबन्धित मादक पदार्थ ‘गाँजा’ पकैरक सार्वजनिक कएलक । ओ होश उड़ाबबाला विषय बनल, मानल जासकैए ।
हमरसबहक देश नेपाल प्रतिबन्धित मादकपदार्थके केन्द्र बनैत जारहल छै एहुमे तराईक्षेत्र प्रमुख अड्डा त’ नइ भगेल छै । एहि पर विचारब आवश्यक छै । विशेष रुपस’ समाजके जे अगुवासभ छैथ । अपनाके सामाज सुधारक अथवा समाज सुधार हेतु सकृय रहैत छैथ, तिनसभकेँ एहिप्रति बेसी चांइख राखब दरकार छै ।
हमरासभके देशमे जीनगी तबाह करबाला तत्व त’ भेटैत छै । मुदा,प्राणलिअबाला,मादकपदार्थकेँ उत्पादन नइ होइत छै । हँ मदिरा–पान अधिकांश लोक करैए । मदिरा–दारु पहाडि़क्षेत्रमे प्रायः घरमे निर्माण होइत छै ।
औधोगिकरुपमे सेहो दारुभट्टीसभ सञ्चालनमे छै । बीयर कम्पनीसभ सञ्चालनमे रहैत आएल छै । जे सरकारी अनुमति आ मापदण्ड अनुसार चलैत छै । एहिसभकेँ मापन अनुपातमे सेवन कएलास’ लोक मरैत नइ छै ।
जौं अत्याधिक सेवन कएलगेल तखनि मदिरा सेहो प्राणलेवा भसकैत छै । मुदा अन्तर राष्ट्रिय बजारमे सबटा खायबाला दोसर देश सभस’ आबबाला महग आ जीवन लाहेब करएबाला कानुनीरुपमे प्रतिबन्धित मादकपदार्थके उत्पादन नइ होइत छै ई मानहि पड़त । तथापि बहुतराश प्रतिबन्धित,प्राणघातक मादकपदार्थ हमरासभके समाजमे भेटैत छै जे आन देशस’ चोरबाट दने नेपाल अबैत छै ।
चोरा–नुकाक कीनल–बेसाहल जाइत छै । चोराइए नुकाक’ खायबाला खाइत छै । जे समाजके बेरा गर्क करहल छै । विशेष रुपस’ युवा वर्गकेँ नाश करहल छै तेहन प्रतिबन्धित मादकपदार्थ सेवनस’ नाश होबबालाके नव जीवन देब हेतु आब विभिन्न गाम–ठाममे निशा मुक्त केन्द्र, सुधार गृहसभ सञ्चालनमे आविरहल छै । एहुस’ नेपाल प्रतिबन्धित मादकप्रदार्थ (लागु औषध)केँ प्रयोग दिनानुदिन बढ़ैत जारहल छै ओ बुझल जासकैए ।
पत्रकार सम्मेलन मादे धनुषाके एसपी भूवनेश्वर तिबारी जनतब दैत कहलाह ४७७ किलो गाँजा पकरल गेल । प्लास्टीस’ एकदम्म नीक जकाँ लपेटक बण्डल बनाएल ३४ टा बण्डल(पोका) भारतीय आयशर कम्पनीकेँ मधेश प्रदेशके २५२० नम्बरके मीनीट्रकमे पकरलक । एहि संगे १९ लाख ६५ हजार रकम बराबरके मोबाईल आदि सहितके सामग्री सेहो प्रहरी अपन नियन्त्रणमे लेलक ।
प्रश्न उठैत छै एतेक अधिक संख्यामे प्रतिबन्धित मादक पदार्थ‘गाँजा’ कत’स’ आयल । मुखियापट्टी–मुसहरनीयां गा.पा.एहि दुनु गामके संगेंसग तुलसियाही जब्दी आ निकास, खतबैया, कोल्हुवा, फेचहा आदि गाम छै । ईसबटा गाम भारतीय सीमास’ जुड़ैत छै ।
प्रहरीक कहब अनुसार विशेष अनुसंधान जारी छै । मुदा पारीएस’ माल आएल सेहो स्वीकारैत छै । जे माल नियन्त्रणमे लैतकाल स्थानीय तीन–चारिसय लोककेँ घेराव आ बिरोध सह’ पड़ल ।
एहिस’ एहो सिद्ध होइत छै तराइक्षेत्र प्रतिबन्धित मादकपदार्थक प्रयोग स्थलके संगेसंग भण्डारण स्थलमे सेहो परिणत भरहल छै । जे दूनु अर्थमे नइ देशलेल आ नइ मधेशलेल शुभ सूचक मानल जासकैए ।
खुजल सीमानाका के कारण एहि पारस’ ओहि पार जाक’ अथवा लाइबक निशाबाला सूइया, गोटी, खाक’ युवा वर्ग अपन जीनगी लाहेब कइए रहल छल ।
आब गाँजा, हफिम, जेहन बेसकीमति आ प्रणघातक मादक पदार्थस’ धन धर्म आ जीवन सबटा समाप्त करब दिश डेग बढ़ा चुकल छै सेहो संकेत भेट रहल छै । एहि प्रतिके मोंह भङ्ग हटाबलेल समाजिक जागरुकताक खगता छै आ कानुनी पहरेदारीक संग सुधारोन्मुख सेवा भावनाक दरका सेहो छै ।