नगरमे लागल नारा ‘मातृभाषा बिरोधी सरकार मुर्दावाद’ !

सीमाञ्चल समदिया

6 घन्टा पहिले प्रकाशित

40 पटक देखिएको

जनकपुरधाम,फागुन–९गते । छबिसम् अन्तर राष्ट्रीय मातृभाषा दिवसमे सिरहा जिलाके भाषा अभियानीसब मिथिलानगरि जनकपुरधाममे आइबक भाषागत अभियान सञ्चालन कए जनजाग्रण लएवाक काज कएलगेल अछि ।

 

मैथिलीभाषा अभियन्ता, राजनीतिज्ञ एवं समाजिक उत्थानप्रति सर्म्पीत व्यक्तित्व रामरिझन यादवकेँ अगुवाईमे शनिदिन दुपहरियामे एतह कार्यक्रम सम्पन्न भेल ।
  

 “मातृभाषामे प्राथमीक शिक्षा अनिवार्य कएल जाए । भाषा आयोग निर्धारण कएने अनुसार मैथिली भाषाके मधेश प्रदेशमे अनिवार्य पठन पाठन कराओल जाए ओ मांग पहिनहीस’ अभियानीसब करैत आएल अछि । तथापि मधेश प्रदेश सरकार मातृभाषाकेँ सम्बन्धमे सोकजगर काज नइ करैत आएल छै।

 

तहिना संघीय सरकार एक भाषानीति अख्तिायर कएने अछि जे देशक सम्पूर्ण मातृभाषाा भाषीकस’ ठकैतीक काज अछि । अभियन्ता रामरिझन यादव अपन धारना राखैत कार्यक्रममे बजलाह ।
    

 

जनकपुरधामके जनकचौकस’ बहार कएलगेल जागरणमूलक भाषायी अभियान–जुलुस रामचौक, जानकीचौक,जानकीपथ,शिबचौक, भानुचौक होइत रेलवे टीशन पर जाक’ समापन कएलगेल छल ।

 


भाषा आयोगकेँ सिफारिस लागु नइ कएनिहार प्रदेश सरकार मुर्दावाद ! मातृभाषा बिरोधी प्रदेश सरकार मुर्दावाद ! मैथिली बिरोधी सांसद मुर्दावाद ! भाषा आयोगकेँ सिफारिस लागु कर ! मातृभाषामे शिक्षा लागु कर ! जेहन नारा जुलुसमे सहभागी सब नगरिमे धनकौने देखल गेल ।

 

मातृभाषा संघर्ष समिति मधेश प्रदेशद्वारा कार्यक्रम आयोजन कएलगेल छल । कार्यक्रममे अभियन्ता रामरिझन यादवकेँ अतिरिक्त मैथिली साहित्यकारसभाक सभापाल अरविन्दकुमार यादव, प्रा.उमेश यादव,समाजसेवी धनिकलाल यादव, मिथिला पाठशाला सिरहाकेँ प्रीन्सिपल दिपेन्द्र यादव,रामसेवक मण्डल, पत्रकार,कलाकार उपेन्द्र भगत नागवंशी सहित बौआबुचीसभ सहभागी छल ।

यो खबर पढेर तपाईलाई कस्तो महसुस भयो ?