नवनियुक्त मन्त्रीसभकेँ पहिल निर्णय साकारात्मक

4 घन्टा पहिले प्रकाशित
21 पटक देखिएको

जनकपुरधाम–भादव–३० गते । जेन जे युवासभक आन्दोलनक बल पर बनल मन्त्री परिद्क नवनियुक्त मन्त्रिद्वयकेँ पहिल निर्णयकेँ सर्वत्र चर्चा भरहल अछि । पहिनुका सरकार सञ्चालन कएने कोनो तरहक योजनाकेँ कार्यान्वयन वर्तमान सरकार नइ करत ।
अपन आसेपासे,लगुवा भगुवा, बिचौलिया आ कार्यकर्ताकेँ भरन पोषण लेल सञ्चालन कएने ओहन कोनो योजनाकेँ सञ्चालन पक्षमे वर्तमान सरकार नइ जायत ओ पहिलुका दिनक निर्णयस’ स्पष्ट देखार भेल अछि ।
पूर्व अर्थ सचिव एवं आइए नियुक्त भेल अर्थमन्त्री रामेश्वर खनाल एहन निर्णय कएलाह अछि । अर्थ मन्त्रालयक कार्यभार सम्हारैत खनाल सरकारी गाड़ीके सुविधा, सुरक्षा गार्ड एवं दरमाहा भत्ता नहि लेत । सेहो उद्घोष कएलाह अछि ।
तहिना नवनियुक्त ऊर्जा, शहरी विकास तथा भौतिक पूर्वाधार मन्त्री ऊर्जामन्त्री कूलमान घिसिङ विभिन्न उद्योग, उद्योगी व्यवसायी पर बांकियौता अरबो रुपैयाक बिधुत महसुल ततकाल बुझाओल जाय अन्यथा बिधुत काटल जायत आ जुरमाना समेत कएल जाएत एहन निर्णय कएलगेल अछि । ऊर्जामन्त्री घिसिङ सेहो कोनो सरकारी सेवा सुविधा नइ लेब घोषना कएलाह अछि ।
मन्त्री घिसिङक पहिल निर्णय कार्यान्वयनमे प्रधानमन्त्री सुशिलाकार्की सेहो सहयोग करत अपने आगु बढू कहल गेल अछि । तैँ मन्त्रीद्वयकेँ पहिल निर्णयकेँ साकारात्मक रुपमे लेल जा रहल अछि ।
गृहमन्त्रीमे अधिवक्ता ओमप्रकाश अर्याल नियुक्त भेलाह अछि । मुदा हिनक पहिल निर्णय की ओ बुझएमे नइ आएल अछि । एहितरहे आब आइस’ प्रम कार्की सहित अन्तिरिम सरकारक मन्त्री परिषद् चारि सदस्यीय कायम भेल अछि ।
जेनजीक आन्दोलन बलस’ कायम अन्तिरिम चुनावी सरकारक मन्त्री परिषद्मे गृहमन्त्री अर्याल काठमाण्डौ महानगर पालिकाक मेयर बालेन्द्र शाहक पैरवीमे, उर्जामन्त्री घिसिङ माओवादी नेता प्रचण्डक आ अर्थमन्त्रीमे खनाल पूर्व प्रम डा. बाबुराम भट्टराइक प्रस्ताव पर नवका सरकारमे पदस्थापन भेल छथि । एहन बात कहल जा रहल अछि । यद्यपि एहि बातक पुष्टि नइ होबऽसकल अछि ।
पूर्व प्रधानमन्त्री भट्टराइके कार्यकालमे अर्थमन्त्री खनाल अर्थसचिव छलाह । प्रचण्ड प्रधानमन्त्री रहल समयमे नेपाल बिधुत प्रधिकरणकेँ सर्वोच्च पद पर पुनरआसिन भेल छलाह ।
घाटामे रहल प्राधिकरणके नाफामूलक बनौनेमात्र नइ छलाह घिसिङ देशके लोडसेडिङ्ग मुक्त कराबमे चमत्कारी काज कएने करबौने छलाह । गृहमन्त्री अर्याल कामाण्डौ महानगर पालिकाक कानुनी सल्लाहकार रुपमे सेहो कार्यरत् छलाह ।