नवसरकारक पहिल निर्णय,सोमदिन मन्त्रीसभ सपथ खाएत

सीमाञ्चल समदिया

19 घन्टा पहिले प्रकाशित

9 पटक देखिएको

जनकपुरधाम–भादव–२९ गते । युवासभक आन्दोलनक बल पर बनल मन्त्री परिद्क पहिल निर्णय जेनजी आन्दोलनमे दिवंगत भेलहा सबप्रति श्रद्धाञ्जलि एवं घाहिलसभकेँ स्वास्थ्य लाभक कामना कएलगेल अछि ।

 

संगहि घाहिलसभकेँ सम्पूर्ण उपचार खर्च राज्यद्वारा प्रदान कएल जाएत । मृतक परिवार सभकेँ दश–दश लाख टाका राहत रकम देल जाएत । एवं दिवंगतसभकेँ शहिद घोषणा कएलगेल निर्णय भेल बुझएमे आएल अछि ।

 

प्रधानमन्त्री कार्की  आइए रौतहट जिला निवासी सविता भण्डारीकेँ महान्यायाधिवक्ता नियुक्त कएलीह अछि । नवनियुक्त प्रधानमन्त्री कार्की अन्तरिम सरकारके अर्थमन्त्रीमे पूर्व अर्थ सचिव रामेश्वर खनालकेँ एवं कुलमान घिसिङकेँ ऊर्जामन्त्री नियुक्त कएलीह अछि । ओमप्रकाश अर्यालकेँ सेहो मन्त्री रहल जाय ओ प्रस्ताव कएलीह अछि ।
  

 

 प्रधानमन्त्री कार्की दूरभाषीकायन्त्र मादे गपसप क’क’ मन्त्रीमे नाम प्रस्ताव कएलीह फेर कार्यालयमे बोजाक’ सहमति करौलीह अछि । अर्थ मन्त्रीमे प्रस्तावित पूर्वअर्थसचिव खनाल आर्थिक सुधार सम्बन्धी ठोस प्रतिवेदन तयार कएचुकल छथि ।

 

घिसिङ नेपाल विद्युत प्राधिकरणक पूर्व कार्यकारी निर्देशक भ’क’ देशके लोडसेटिङ्गमुक्त कराबमे अहम भूमिका निमाहने छथि । अर्याल बालेन्द्र शाह नेतृत्वक काठमाण्डौ महानगर पालिकाकेँ कानुनी सल्लाहकार छथि ।

 

प्रधानमन्त्री सुशिला कार्की मात्र अखनु रहल छथि । एहि एक सदस्यीय मन्त्री परिषद्क पहिल बैसारस’ उल्लेखित निर्णय रविदिन भेल अछि । आ सोमदिन सपथ ग्रहण कएल जाएत राजधानीस’ जारी समाचारमे कहलगेल अछि ।      चित्रस्रोतःसामाजिक सञ्जाल

यो खबर पढेर तपाईलाई कस्तो महसुस भयो ?