एमालेके धनुषा अधिवेशन, शान्तिपूर्ण मतदान भेल

12 दिन पहिले प्रकाशित
39 पटक देखिएको

जनकपुरधाम–८गते,जेठ । नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी (एमाले)केँ आठम् धनुषा जिला अधिवेशनके निर्वाचन विधि आइ शान्तिपूर्वक सम्पन्न भेल ।
गत बैशाख २४ गतेमे भेल अधिवेशन नेतासभकेँ आपसी गुटबाजीके आजहस’ विफल भगेल छल । जे बुधदिन विना कोनो अबरोधके शान्तिस’ मतदान काज पुरा भेल ।
कूल ६२८ गोटे मतदाता रहल मध्य ६१५ मत खसल छै ओ जनतब सचिवके उम्मेदवार दीपन ठाकुर मादे भेल । अध्यक्ष पदमे पहिनुके दूनु उम्मेदगर उम्मेदवार चुनावी प्रतिस्पर्धामे उतरल छै ।
अध्यक्षके उम्मेदवार भोला यादव आ लक्ष्मीनारायण यादव चुनावी प्रतिस्पर्धामे छै । भोला यादव एमाले नेता एवं पूर्व उपप्रधानमन्त्री रघुवीर महासेठ पाइनलको छैथ । ततहि लक्ष्मी महतो एमाले सम्बद्ध पूर्वमन्त्री उमाशंकर अरगडि़या पक्षधर छैथ ।
गत बैशाख–२४गते भेल जिला अधिवेशनमे निर्वाचन समितिके कारण उत्पन्न विवाद उग्र रुप लेने छल ।
महासेठ आ अरगडि़या समूहबीच गड़ा–गड़ौबल,कुर्सी तोड़ा–तोड़ौवल मारापीट्टी लाठी परहट्टास’ डेङ्गा–डेङ्गौबल एकआपसमे सेहो भेल छल । ओहिके मध्य नजरि राखैत कड़ा सुरक्षाघेरामे शान्तिपूर्ण मतदान भेल । भोरधरि परिणामो आइब जाएत ओहन सम्भावना छै ।