मिथिला चित्रकला निर्माण हेतु ३८गोटे प्रशिक्षण लेलक

सीमाञ्चल समदिया

1 महीना पहिले प्रकाशित

269 पटक देखिएको

सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम-१०गते,चैत । मिथिला चित्रकला सम्बन्धि एकमहिने प्रशिक्षण कार्यक्रम सहभागीसभकँे प्रमाण-पत्र प्रदान करैत समापन कएलगेल छै ।  

‘धनुषा हस्तकला उद्योग संघ’ एवं ‘नेपाल हस्तकला महासंघ’के संयुक्त तत्वाधानमे एक महिनाधैर प्रशिक्षण देलगेल छल । जनकपुरधाम वार्ड नं.४ के भैरवचौक स्थित भैरवमन्दिर प्राङ्गनमे गत फागुन-१०गतेस’ प्रशिक्षण आरम्भ भेल छल ।

मिथिला चित्रकलाकेँ निर्माण,ओकर व्यवहारिक, सांस्कृतिकपक्ष सम्बन्धित जनतब दैत तत्सम्बन्धि चित्रण कोनाक कैनवासमे उतारल जाय,कपड़ा-पर्दा, साड़ी आदि पर उखारल जाय ओ प्रशिक्षणमे सहभागी सबकेँ बताओलगेल छल ।

धनुषा हस्तकला उद्योग संघके अध्यक्ष सुरेश श्रेष्ठके सभापतित्वमे प्रमाणपत्र वितरण आ समापन कार्यक्रम कएलगेल ।
कार्यक्रममे प्रमुख अतिथिक रुपमे जनकपुरधामके मेयर मनोज साह सहभागीसभकेँ प्रमाणपत्र प्रदान कएलैन्ह ।

 विशेष अतिथिक रुपमे जनकपुर एद्योग बाणिज्य संघके पूर्वअध्यक्ष समाजसेवी प्रकाशचन्द्र साह हस्ते सेहो सहभगी सभकेँ प्रमाणपत्र प्रदान कएलगेल ।

मिथिला चित्रकला बनाबके लुइर-बुद्धि सीखलेल कूल ३८ गोटे महिला सहभागी छल । सहभागीसभकेँ दश प्रशिक्षकके रुपमे गायत्री कणर् एक महिनाधैर प्रशिक्षण प्रदान कएने छलीह । कार्यक्रम संयोजक राजकिशोर मण्डल मादे जनतब भेटल ।

मिथिला चित्रकलाक क्षेत्रमे काज  करैत आयल मिना शर्मा, जनकपुरधाम उपमहानपा वार्ड नं.४के वार्ड अध्यक्ष सुरेश झा पण्डिजी सहितक सहभागीसभ सेहो अपन-अपन धारना समापन समारोहमे रखलैथ ।

कुमारी अनुराधा नागवंशी, रञ्जन ठाकुर, मिक्की नागवंशी, गुञ्जा भगत, शुभनीता नागवंशी, विभा पण्डित सहित ३८ गोटे महिला मिथिलाचित्रकला बनाब लेल प्रशिक्षण प्राप्त कएलीह ।

यो खबर पढेर तपाईलाई कस्तो महसुस भयो ?