राम नओमी : सनातनीसबके रक्षाकबच–जय सीयराम !

20 दिन पहिले प्रकाशित
204 पटक देखिएको

जनकपुरधाम–२४गते,चैत । त्रेतायुगके नायक मर्यादा पुरुषोत्म सीयापति ‘रामचन्द्र’ भगवानकेँ आइ जन्मोत्सव मिथिलानगरि जनकपुरधाममे हर्षोल्लास संग मनाओल गेल छै ।
विश्वहिन्दु परिषद् नेपाल, हिन्दु सम्राट सेना सहितके सनातन धर्मावलम्बी संस्थासभ नगरमे धार्मिक रथयात्रा बहार कएलक । शोभायमान यात्रा नगर परिक्रमा करैत धार्मिकयात्रास’ सनातन धर्म–संस्कृति झलकबैत सनातनी समाजकेँ कर्म विधान पर गौरव करब हेतु उत्प्रेरणा देबकेँ काज कएलक ।
स्थानीय राममन्दिरमे आइ सर्वाधिक भीड़ देखल गेल । राममन्दिरके वाद राजदेवी मन्दिर, अमरखाना मन्दिर एवं शीशमहल जानकीमन्दिरमे सेहो सीयाराम भक्त सनातनी अनुयायीसभकेँ हुजुम लागल देखल गेल ।
विश्व हिन्दु परिषद् नेपालके स्थापना दिवस सेहो आइए मनाओलगेल । जय सीराम जय–जय सीयाराम ! सीयावर रामचन्द्र की….? जय ! जय श्रीराम आदि नारा नगरमे दिनभरि गुञ्जयमान होइत रहल ।
तत्कालीन कौशल नरेश अवधपुरवासी दशरथपुत्र श्रीरामकेँ आइस’ सात हजार जतेक वर्ष पहिने माने ईशापूर्व ५११४मे पृथ्वी पर जन्म ग्रहण कएने छलाह । जखनि जनक दुलारी भूमिपुत्री ‘सीता’ ६ वर्षक छलीह ओहि समय धनुषयज्ञमे सामेल होबलेल सर्वप्रथम महामुनि बिश्वा मित्र संग राम,लक्ष्मण जनकपुरधाम पधारने छलाह ।
ओहि समयमे रामजीके आयु मात्र १२ वर्षक छल । चैत नओमी तिथिमे दिन पुनरबसु नक्षत्रमे भगवान श्रीराम जन्मधारण कएने छलाह । तहुस’ श्रीरामजन्म जयन्ति दिवसकेँ चैतनओमी सम्बोधन कएल जाइत अछि ।
विश्वहिन्दु परिषद् दिसस’ यात्राक पड़ावस्थलमे श्रीराम भक्त हनुमानकेँ बन्दनीय पोथी बहुरंगी ‘हनुमान चालीसा’ भक्तसभकेँ निशुल्क वितरण कएलगेल ।
जनकपुरधाम स्थित राममन्दिस’ सटले उत्तरवारीकात भगवाध्वजकेँ निच्चा हिन्दुवादी समाजसेवी पवन ठाकुर, प्रदीप भगत, सहितक लोक हनुमान चालिसा बांटलगेल ।
पड़ावस्थलमे जुमल अध्यात्मवादी सनातनधर्म मानवाला समुदाय जिनका हनुमान चालिका आवश्यक बुझाएल ओ सबगोटे हात पसारि–पसारिक’ निशुल्क हनुमान चालिका राम भगवानकेँ जन्मदिनक अवसर पर प्राप्त करैत गेल ।
श्रीरामजीके जन्म दिवस पर राममन्दिर विशेष पुजा आराधना एवं प्रसाद वितरण काज कएल ओ जनतब रामन्दिरक महन्थ सन्यासी श्रीराम गिरी बतौलाह । लोक हजारो दीप लेशक हर्ष बढ़ाई करैत जय–जयकार लगौलैन्ह ।