गेरुकाधामकेँ कायापलट हेतु भूमिपुजन भेल

सीमाञ्चल समदिया

16 दिन पहिले प्रकाशित

634 पटक देखिएको

जनकपुरधाम–३०गते,जेष्ठ । जनकपुरधामस’ सटले पश्चिममे अवस्थित गेरुकाधामकेँ कायापलट करब जोगर काज होब’ जारहल छै ।
    ऐतिहासिक धार्मिक एवं सांस्कृतिक महत्वक स्थल गेरुकाधाम महोत्तरी जिलाके लोहारपट्टी नगर पालिका अन्तर्गत पड़ैत छै ।

पर्यटन प्रवध्र्दन हेतु मास्टर प्लान बनाक ओकर कार्यान्वयन करब काजमे लोनपा मेयर शैलेन्द्रकुमार यादव अग्रसरता दखौलाह । शुक्रदिन एकटा समारोहबीच गेरुकाधाममे भौत्तिक संरचना निर्माण विकास हेतु भूमिपुजन करैत शिलान्यस कएलाह ।
    

प्रत्येक तीनवर्ष पर एकबेर लागबाला मलेमास मेलामे लाखक लाख श्रद्धालु गेरुकी आ बिग्ही नदीक संगमतटमे स्नान एवं सीतारामके संगेसंग महादेव, पार्वतिकेस्तुति पुजन हेतु पुगल करैत छै । पुरुषोत्ममास(मलेमास)क अतिरिक्त आनो समयमे ओ प्राचीन स्थल पर लोक पुगिक ग्रामिण पर्यटककेँ आनन्द उठाब सकैए । ओहि हेतु भौत्तिक निर्माणक खगता छै ।

आधादर्जन जतेक प्रमुख मन्दिरकेँ जिर्णोद्धार, नव निर्माणकाज होएत ।  सैर सपाटा हेतु आधुनिक सुविधायुक्त बाग–बगैच्चा, वाटरपार्क, भ्यूटाबर, मिथिलाके पहिरण ओढ़न, खानपान रहलन सहन झलबाला ‘मिथिला सांस्कृतिक भवन’, बघारा आदि संरचना गेरुकाधाममे निर्माण होएत । जेकर डिपी आर पुरापुरी तयार भगेल छै । 

 डिपीआर अनुसार काजक श्री गणेश भेल छै, ओ जनतब लोनपा शिक्षा शाखा प्रमुख सुशिल यादव देलाह । ततकाल एहिकाजमे करी आठ करोड़ टाका बजेट बिनियोजन कएलगेल छै । बहुवर्षीय योजनामे लोनपा एहि कार्यक्रमके राखत सेहो आश्य यादव सीमाञ्चल समदिया समक्ष व्यक्त कएलाह ।

यो खबर पढेर तपाईलाई कस्तो महसुस भयो ?