अहूबेर मोटरसाइकिलस’ परिक्रमायात्रा आरम्भ

सीमाञ्चल समदिया

1 महीना पहिले प्रकाशित

197 पटक देखिएको

सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम-१०गते,चैत । पर्यटन प्रवद्र्धन, धार्मिक सहिष्णुनता कायम करब कराएब एवं सांस्कृतिक जागरण अभियान अन्तर्गत मोटरसाइकिल पर परिक्रमायात्रा अहूबेर आरम्भ भेल छै ।
    

जनकपुरधामके वार्ड नं.१२ आ १५ सीमामे अवस्थित परिक्रमा पहिल पड़ावस्थलस’ यात्रा शनिदिन भोरे ८ बजेस’ आरम्भ भेल । जनकपुरधाम उपमहानगर पालिकाक मेयर मनोजकुमार साहके नेतृत्वमे करीब ३०० मोटरसाइकिल सवार सीतारामक अनुयायी महिला-पुरुष भक्तजन यात्रामे सामेल छैथ ।
    

नेपाली काँग्रेस पार्टीस’ सम्बद्ध प्रदेश संसद रामसरोज यादव धार्मिक ध्वज फहराक यात्रा आरम्भकर्ता मेयर साहकेँ ध्वज हस्तान्त्रण क’क’ मोसा परिक्रमा यात्रा शुभारम्भ करौलैन्ह ।

मेयर मनोज साहके नेतृत्वमे एवं मनोज महतोकेँ व्यवस्थापन सहयोगमे आइस’ ६ वर्ष पहिने मोटरसाइकिलस’ परिक्रमायात्रा आरम्भ कएलगेल छल ।

कोभिड १९के समयमे एकसाल मात्र करौना महामारीकालमे यात्रा स्थगन रहल । तेकराबाद निरन्तर जारी रहैत आएल । एहिबेरुका लगाक ई पाँचम् बेरक यात्रा छै । मेयर साह जनतब दैत सीमाञ्चल समदियाकँे बतौलाह ।

युवासभकेँ परिक्रमाप्रति मोह जगाबलेल अपन धर्म संस्कृतिप्रति रक्षात्मक भार बहनकारक बनाब लेल, सांस्कृतिक अनुष्ठानीक कार्यकरबमे सबहक सहयोग होए,

एहिस’ पर्यटन प्रवद्र्धन होएत आ जनमानसमे एकटा नवसन्देश जागत । एहि उद्देश्यस’ यात्राक शुरुआत कएलगेल छल । सालेसाल एहिमे सहभागिसभकेँ बृद्धि होइत जारहल छै, सेहो  जनतब मेयर साह देलाह ।

 

शूरुमे २५-३५गोटेस’ यात्रा आरम्भ भेल छल आइ ६-७ सय लोक जमा भ’क’ यात्रामे जारहल छी एहो एगो सफल्ता छै सेहो तर्क मेयर साह देलाह ।  
    १२ घण्टे मोटर साइकिल परिक्रमा यात्रा हनुमान नगरस’ कल्याणेश्वर, गिरिजा स्थान फूलहर, मटिहानी, जलेश्वर, मड़ै, धूर्वकुण्ड, कञ्चनवन, पर्वत्ता, सतोषर, औरही,  करुणा, बिसौल, हनुमाननगर होइत जनकपुरधाम गंगासागर तटमे आइबक परिक्रमायात्रा पूर्ण कएल जाइत छै ।

कूल १३३ किलोमीटरक परिक्रमा यात्रा १५ दिनमे पुरा कएल जाइत छै । जाहिके मिथिला माध्यमिकी परिक्रमा सम्बोधन कएल जाइत छै ।  एहि यात्राके ओना चारिएघण्टामे पूणर् कएल जाइत छै मुदा लोकक श्रध्दाभावक कारण ठामठाम सेवा बानगी हेतु यात्री सभाके ठमक पड़ैत छै तौ १०-१० घण्टा समय लागि जाइत छै ।

यो खबर पढेर तपाईलाई कस्तो महसुस भयो ?