दूधमति पण्डाघाट लग पञ्चपल्लव बाटिका

5 दिन पहिले प्रकाशित
136 पटक देखिएको

जनकपुरधाम–१०गते, साओन । ऐतिहासिक दुधमती नदीके सफाइ एवं सुन्दरता बनाब लेल चलाओलगेल अभियानके आइ छओ वर्षक अवधि पुरा भेल अछि । एहि अवसर पर दूधमती किनार पण्डाघाट बसपीट्टीमे एकगोट कार्यक्रम आयोजन कएलगेल ।
आइ कनेक शीतलमय वातारण छल । प्रकृतिक प्रसन्नतास’ खुजल आकाशक छत्तके निच्चा गाछबृक्षक छायांमे शनिदिन बेरियामे कार्यक्रम कएलगेल । कार्यक्रमक ओरिआओन अभियानी आनन्द सहनी कएलाह ।
ऐतिहासिक दुधमती नदीके सफाई आ संरक्षण कार्यके ३०० सय सप्ताहक समीक्षा एवं पञ्चपल्लव वाटिका उद्घाटन कार्यक्रम सेहो समारोहबीच कएलगेल जनतब भेटल अछि ।
२०७६ साल कात्तिक २३ गतेस’ आरम्भ कएलगेल धार्मिक महत्वक ऐतिहासिक दुधमती नदी संरक्षण तथा साप्ताहिक सरसफाई अभियान सञ्चालन कएलगेल छल ।
छओवर्षक अवधि एवं तीनसय सप्ताहके कार्यगत समीक्षा करब काजसंग, अभियान अन्तर्गत भेल विभिन्न गतिविधि, ओहिस’ प्राप्त उपलब्धिसभ पर चर्चा कएलगेल ।
संगहि अवसर आ चुनौतीभकेँ सामना करैत आगामी दिनमे आओर की सब कोना कएलजासकैए दूधमती सौन्दर्यीकरण हेतु ताहि हेतु विमर्श सेहो कएलगेल । जानकी मन्दिरक महन्थ महामण्डलेश्वर रामतपेश्वर दास बैष्णव ‘पञ्चपल्लव वाटिका’के औपचारिक रुपस’ समारोहबीच उद्घाटन कएलाह ।
एहि नेक काजमे बिशेष अतिथिक रुपमेप्रदेश संसद रामआशिष यादव,वनविज्ञ गणेश राय,जउपमहानपा वार्ड नं.२२के अध्यक्ष बिमलेश मिश्र, बृषमानम नामस’ सेहो परिचय बनौने वन लगारु सुरेश शर्मा सामेल छलाह ।
दूधमति नदी सरोकार समाजक तत्वाधानमे कार्यक्रम सम्मपन्न भेल । समाजक अध्यक्ष सुदिप मण्डलके सभापतित्वमे एवं सचिव आनन्द सहनीकेँ द्वारा कार्यक्रम सञ्चालन कएलगेल छल ।
कार्यक्रममे उपस्थितिजनसभकेँ बहुमूल्य सुझाव,सल्लाह अभियानीसभकेँ उत्साह वद्र्धन कएलक । ततहि आगामी दिनमे काजकेँ निरन्तरता हेतु थप उर्जा प्रदान कएलक आ करैत रहत ओ अनुभूति आयोजक कएलक ओ बुझएमे आएल अछि ।