साहित्यकार जनकपुरीद्वारा गद्यवाचन

सीमाञ्चल समदिया

10 घन्टा पहिले प्रकाशित

111 पटक देखिएको

जनकपुरधाम–३१गते,आषाढ़ । प्रत्येक तिन महिनामे एकबेर कएल जायबाला गद्य एवं पद्यय वाचन कार्यक्रम आइ साहित्यकार रोशन जनकपुरी रचित गद्यवाचन कार्यक्रम भेल अछि ।

 

मैथिली साहित्यकारसभाके आयोजनमे त्रैमासिक एकल मैथिली गद्यवाचन कार्यक्रम जनकपुरधाम स्थित एकटा नीजी विद्यालक सभाकक्षमे  मङ्गल दिन सम्पन्न भेल ।

 

साहित्यकार सभाक सभापाल अरविन्द कुमार यादवकेँ सभापतित्वमे एवं मोनाष्टिक स्कूलक सञ्चालक सोनु साहकेँ विशेष आतिथ्यमे कार्यक्रम भेल ओ जनतब भेटल अछि ।

 

कार्यक्रममे आगन्तुक लोकनिकेँ स्वागत विन्देश्वर ठाकुर कएलाह । रोशन जनकपुरी अपन गद्य रचना प्रस्तुत कएलन्हि । जाहि पठित रचनासभ पर पत्रकार साहित्यकार श्यामसुन्दर शशि समिक्षात्मक टीप्पनी कएलाह ।

 

कार्यक्रममे लेखक जनकपुरीद्वारा सातटा गद्यरचना, दूटा कथा,तीनटा लघुकथा, व्यङ्गय आ संस्मरण एक–एकटा । वाचन कएलगेल छल । दू दर्जनसँ बेसी श्रोताक सहभागितामे प्रस्तुत रचनासभकेँ बेस सराहल गेल  छल ।

यो खबर पढेर तपाईलाई कस्तो महसुस भयो ?