तराइमे पर्यटन विकासलेल अन्तरकृया

2 दिन पहिले प्रकाशित
74 पटक देखिएको

जनकपुरधाम–१७गते,जेष्ठ । तराइक्षेत्रके पर्यटन प्रवर्द्धन हेतु नेपाल पर्यटन बोर्ड एतह शनिदिन एकदिना अन्तरकृया कएलक ।
नेपाल सरकार पर्यटन,संस्कृति तथा नागरिक उड्डयन मन्त्रालय मार्फत पर्यटन बोर्ड लेल ११६ करोड़ टाका बजेट छुटियौने छै । आर्थिक वर्ष २०८२–०८३ लेल देशभरिके पर्यटन प्रवर्द्धन लेल उक्त बजेट छुटियाओल गेल छै ।
अन्तरकृयामे पर्यटन बोर्डकेँ कार्यकारी प्रमुख आ बजेट निर्धारणकर्ता ऋषिराज भण्डारी बतौलैन्ह । नेपाल पर्यटन बोर्डके प्रमुख दिलीपराज जोशीके सभापतित्वमे कार्यक्रम भेल । दिर्नेशक सन्तोष पन्थ बजेट बिबरण प्रस्तुत करैत बांटबखरा बारेमे जनतब देलाह ।
नेपालमे १५ लाख पर्यटक प्रत्येक वर्ष आनब लक्ष्य रहल छै । ओहि मुताविक प्रवध्दनात्मक काज बोर्ड आगु ससारि रहल छै । पब्लिक प्राइभेट पाटनरसीप अन्तर्गत पर्यटन विकास हेतु देशभरिमे ४० टा संस्था काज कए रहल छै । सेहो जनतब अन्तरकृयामे देलगेल ।
तराइ मधेश क्षेत्रमे जे जतेक पर्यटकीय स्थान छै तेकर अनुसंधान कएल जाय । पर्यटन बोर्डके नजैरमे नइ परल स्थानके चिन्हित कएल जाय, तराइके कला, संस्कृति, मिथिलाआर्ट, हैण्डी क्राप्टकेँ प्रमोट कएल जाय । प्राचीन स्थलसभके सैहारल जाय आ थप गन्तव्यके विकास विशेष रुपस’ जनकपुरक्षेत्रमे कएल जाय ओ मांग सहभागीसभ दिस’ उठल ।
कार्यक्रममे जनकपुरधामके मेयर मनोजकुमार साह, जनकपुर उद्योग बाणिज्य संघके उपाध्यक्ष रिंकु साह, पूर्व अध्यक्ष निर्मलकुमार चौधरी, पूर्व उपाध्यक्ष अम्बु साह, पर्यटन प्रवर्द्धनलेल अग्रसर बीरेन्द्र साह, होटल व्यवसायी बिजय झूलझूनबाला, हीरा गौतम,मिथिला आर्ट निर्मात्री सुनैना ठाकुर, सीमाञ्चल सम्पादक उपेन्द्र भगत नागवंशी प्रमुख वक्ताक रुपमे अपन अपन विचार रखलाह ।