बजेट सार्वजनिक, महिला बालबालिकका आ जेष्ठ नागरिकलेल सभस’कम बजेट

सीमाञ्चल समदिया

4 दिन पहिले प्रकाशित

74 पटक देखिएको

जनकपुरधाम–१५गते,जेठ़ । आइ एकदिश लोकतन्त्र दिवसकेँ कार्यक्रम आ दोसर दिस राजावादीसभकेँ आन्दोलनी कार्यक्रमके गहमा गहमी राजधानी काठमाण्डौमे छल । एहिबीच आइ देशक बजेट सेहो प्रस्तुत भेल ।

 

नेपाल सरकार आगामी आर्थिक वर्ष लेल १९ खर्ब ६४ अर्ब ११ करोड टाकाकेँ बजेट वक्तव्य सार्वजनिक कएने छै । बृहस्पति दिन संघीय संसदके संयुक्त बैसारमे सत्तापक्षधर एमाले सम्बद्ध उपप्रधान एवं अर्थमन्त्री विष्णुप्रसाद पौडेल बजेट सार्वजनिक कएलाह ।

 

आगामी आर्थिक वर्षमे सभसण्ं अधिक बजेट शिक्षा मन्त्रालय पाओत । शिक्षा, विज्ञान एवं प्रविधि मन्त्रालय हेतु  २ खर्ब ११ अर्ब बजेट विनियोजन कएलगेल छै । एहिबेरुका बजेटमे सबस’ कम महिला, बाल बालिका आ ज्येष्ठ नागरिक मन्त्रालयकेँ लेल बजेट छुटियाओल गेल छै । जे रकम २ अर्ब ८ करोड मात्र छै । भौत्तिक पूर्वाधार आ यातायात मन्त्रालयकेँ लेल १ खर्ब ५२ अर्ब,शहरी विकास मन्त्रालय हेतु १ खर्ब १८ अर्ब, विनियोजन कएलगेल छै ।

 

तहिना स्वास्थ्य एवं जनसंख्या मन्त्रालय बास्ते ९५ अर्ब ८१ करोड, उर्जा, जलस्रोत आ सिँचाई मन्त्रालय लेल ८६ अर्ब १ करोड एवं कृषि तथा पशुपन्छी विकास मन्त्रालयके लेल ५७ अर्ब ४८ करोड बजेट विनियोजन कएलगेल बात बुझएमे आएल ।

 

एहि तरहें खानेपानी मन्त्रालय लेल ३३ अर्ब ८९ करोड, वन, वातावरण मन्त्रालयहेतु १८ अर्ब ६१ करोड, संस्कृति, पर्यटन आ नागरिक उड्ययन मन्त्रालयके लेल १३ अर्ब २८ करोड, उद्योग, वाणिज्य आ  आपूर्ति मन्त्रालयके लेल १० अर्ब १४ करोड ,  सञ्चार एवं सूचना प्रविधि मन्त्रालयके लेल ७ अर्ब ७२ करोड बजेट छुटियाओल गेल छै ।
    

 

भूमि व्यवस्था, सहकारी आ गरिबी निवारण मन्त्रालयके ७ अर्ब ४९ करोड, युवा, खेलकुद मन्त्रालयबास्ते ६ अर्ब ८ करोड़, श्रम, रोजगार आ सामाजिक सुरक्षा मन्त्रालय लेल ४ अर्ब २८ करोड टाका बजेट विनियोजन कएलगेल बात जनतबमे आएल ।

यो खबर पढेर तपाईलाई कस्तो महसुस भयो ?