सीताचौकमे टीपर ई–रिक्सा पिचलक

सीमाञ्चल समदिया

20 दिन पहिले प्रकाशित

154 पटक देखिएको

जनकपुरधाम–१२गते,जेठ़ । ट्राफिक नीयमके पालन नइ क’क’ बाहन चलोला पर सवारी दुर्घटना होएब सम्भावना बेसी बनल रहैत छै ।
एहिना लापरवाहीक ओजहस’ जनकपुरधाम सीता चौकमे  एकटा टीपर आ ‘टूकटूक’ माने ई–रिक्साठोकराएल छै ।
  

 

जनकपुरधाम वार्ड नं१ शिबपथ स्थित रेल्वे चाट पार करैत काल टीपर ई रिक्साकेँ ठाकेर देलक जाहिस’ रिक्साकेँ अगिला भाग चकका सहित भरकुस्सा भगेल छै ।
    

 

पुलचौक पुरुब दिसस’ सीताचौक सि आएल प्रदेश०२–०३००१‘क’ ५२५५ नम्बरकेँ टीपर सीताचौकस’ पुरुब दिसामे जारहल ज.१ह.५२५७ नं.के ई–रिक्साकेँ साइडस’ ठोकराएल । टीपर चालक जाबत धरि जाडि़ रोकलक टेम्पु घुमिगेल आ टीपरकेँ पछिला चक्का पर चहैर गेल । से प्रत्यक्ष दर्शी सभ बतौलक ।

 

लगले ट्राफिक प्रहरी घटना स्थल पर आएल आ टीपरकेँ अपन निगरानीमे रखलक एवं दुर्घटाग्रस्त ई–रिक्साकेँ घटनास्थलस’ हटाबौलक । दू घटन्टा आगु भेल ई घटनामे ई समाचार लीखबधरि टीपरकेँ यथास्थान प्रहरीके रेखदेखमे छल सेहो जनतब भेटल ।

यो खबर पढेर तपाईलाई कस्तो महसुस भयो ?