कृषकसभकेँ आधा दाम पर धानकेबीया उपलब्ध करबैत गचानपा

सीमाञ्चल समदिया

24 दिन पहिले प्रकाशित

57 पटक देखिएको

जनकपुरधाम । कृषि उत्पादनमे बृद्धि हेतु गणेशमान–चारनाथ नगरपालिकाद्वारा कृषकसभकेँ धानकेबीया आधाआधि दाममे उपलब्ध कराबके काज कएल जारहल छै ।

 

नगरक्षेत्र भितरके कृषकसभकेँ तराईक्षेत्रके प्रमुख अन्नबाली धानकेँ उत्पादन बढ़ाब लेल उत्तम जातिके धानके बीया ५० प्रतिशत अनुदानमे प्रदान कएल जारहल जनतब नगर प्रमुख जितनारायण यादव देलाह ।

 

धनुषा जिलाके बिरेन्द्रबजार स्थित नेपाल हरियाली कृषि सहकारी संस्था लि.के समन्वयमे आधा अनुदानमे धानके बीया प्रदान करब हेतु आयोजित कार्यक्रमकँेबुध दिन एकटा समारोहबीच औपचारिक उद्घाटन गचानपाके उपप्रमुख तुल्साकुमारी पाण्डे पटेल कएलीह ।
  

 कार्यक्रम उद्घाटन शत्रमे उपप्रमुख पटेल कृषकसभकेँ आयस्तरमे वृद्धि आ खाद्य सुरक्षा हेतु अधिया दाममे नीमन बीया प्रदान करब महत्वपूर्ण योजना नगर पालिका सञ्चालन कएलक । आगामी दिनमे सेहो एहन जनहितैसी योजना नपा जारी राखत भरोस दियौलीह ।

 

कार्यक्रममे स्थानीय जनप्रतिनिधि, सहकारी संस्थाके सदस्य, कृषकसभ एवं कृषि प्राविधिकसभकेँ बेस सहभागिता छल । से जनतब प्रमुख प्रशासकीय अधिकृत रणजित कुमार यादव देलाह ।

यो खबर पढेर तपाईलाई कस्तो महसुस भयो ?