देशक पहिल महिला प्रधानमन्त्री बनलीह सुशिला कार्की

सीमाञ्चल समदिया

15 घन्टा पहिले प्रकाशित

62 पटक देखिएको

जनकपुरधाम–२७गते,भादव । युवा आन्दोलनके बल पर देशक पहिल महिला प्रधानमन्त्री सुशिला कार्की नियुक्त भेलीह अछि । गणतान्त्रिक नेपालक राष्ट्रपति रामचन्द्र पौडेल कार्कीकेँ अन्तिरीम सरकारक प्रधानमन्त्रीक रुपमे आइ शुक्रदिन अखनु  पद तथा गोपनीयताक सपथ ग्रहण करौलन्हि ।

 

देशमे रहल यावत व्यथिति विसंगतिसभकेँ अन्त करब हेतु ६ महिना भितरि निर्वाचन कराक’ नव नेतृत्व चयन कराब जिम्मेवारी बहनक दायित्व नव नियुक्त प्रम कार्कीक कान्ह पर आएल अछि ।

 

वर्तमान संविधान २०७२ अनुसार विशम परिस्थितिमे अन्तिरिम सरकारक प्रम बनाओल गेल ओ जनतब सपथ ग्रहण समारोहमे देलगेल अछि । अखनु मात्र एकटा प्रम कार्कीकेँ पदस्थापन भेल अछि । अन्य मन्त्रीसभकेँ चयन मनोनयन नइ भेल अछि ।

 

२००९ सालमे जन्मल प्रम कार्की मूलतः मोरङ्ग जिलासदरमुकाम कोशी प्रदेशक राजधानी बिराटनगर निवासी छथिन । पूर्व प्रधान न्यायधीश समेत रहिक राष्ट्र आ जनताकेँ सेवा कए चुकल  छथिन । आब नेपालक पहिल महिला प्रधानमन्त्री रुपमे नवइतिहास गढतीह, ओहन अपेक्षा कएल जा रहल अछि ।

 

 नेपालक राजधानी काठमाण्डौं महाराजगञ्ज स्थित राष्ट्रपति भवन शितल निवासमे भेल सपथ ग्रहणमे नेपाल स्थित विभिन्न कुनीतिक नियोगक प्रमुख, राजदूतावाससभकेँ राजदूत आदि समेतकेँ उपस्थिति छल, ओ बुझएमे आएल अछि ।

यो खबर पढेर तपाईलाई कस्तो महसुस भयो ?