जनकपुरधामके अतिक्रमण मुक्त कएल जाय, वार्डअध्यक्ष साहव्दारा गृहमन्त्रीस’ आग्रह

सीमाञ्चल समदिया

24 दिन पहिले प्रकाशित

437 पटक देखिएको

जनकपुरधाम-२८ गते,चैत । जनकपुरधाम नगरपालिकाक्षेत्र अन्तर्गत सरकारी ऐलानी, पर्ति, एवं गुठी अधिनस्त समेतकेँ सरकारी स्वामित्वक जग्गह कब्जा पर कब्जा कएल जारहल छै । जाहि प्रति ध्यानाकष्णर् कराबके आ तेहन काज अबिलम्ब रोकल जाय लेल गृहमन्त्रीकेँ ध्यानाकर्षण कराओल गेल छै  

 

जनकपुरधाम वार्ड नं.२३ अधिन गुठी सहितके सरकारी भूमि भूमाफियासभकेँ कब्जामे पड़ैत जारहल छै । जाहिके रोकब अति आवश्यक रहल ध्यानाकर्षण गराओल गेल छै ।

 

जनकपुरधाम उपमहानगर पालिका वार्ड नं.२३के वार्डअध्यक्ष जुझारु समाज सुधारक युवा राघवेन्द्र प्रसाद साह ५५ बिघा जग्गह मात्र अप्पन वार्डकेँ  भूमाफिया मादे कब्जा जमाबके काज भेल छै । जाहिके तत्काल खाली कराक सरकारी सम्मप्तिके सरकार अपन हातमे ल’क’ संरक्षित सुरक्षित करए ओ मांग कएलाह ।

 

वार्ड अध्यक्ष साहक गप्पके गम्भिरतास’ लैत गृहमन्त्री लामिछाने बहुत बात हमहुँ बुझिए रहल छी कहैत प्रहरी प्रहाशन एहि काज दिश ध्यान देत आ अतिक्रमणकारी सभकेँ खेहारिक भगाएत पकरत आ कानुन सम्मत कार्यवाही करत ओ भरोस दियौलाह ।

 

वडा नं.२३ के सार्वजनिक,एलानी,पर्ति आ गुठी अधिनके बहुमूल्य जग्गहसभ संरक्षण कएल कराओल जाय ओ मांग गृहमन्त्री लामिछानेस’ भेट क’क’ कएलाह ।  
 

भेटके क्रमम वार्ड अध्यक्ष साह जिला प्रशासन कार्यालय धनुषामे मिति २०८०/११/२२ गते दर्ता करौने अनुसार ४३ टा कित्ताके जग्गह कोनो ककरासभद्वारा अतिक्रमण भेल ओ रेकर्ड सेहो बुझौलाह ।

 

एहि रेकर्डकेँ ओजहस’ विगतमे रामजानकी दुल्लाह भगवान वेला कुट्टीके जग्गहसभ अतिक्रमण कएने अतिक्रमकारी मीलक वडा कार्यालय एवं वडाध्यक्ष उपर उच्चअदाल जनकपुरधाममे उन्टे मोकदमा दर्ता कराक अतिक्रमणी लोक सुरखुरु कहाए लागल छै ।

तथापि सार्वजनिक भूमि-जग्ग संरक्षण आ वार्ड भितरक दलाल विचौलिया सभ पर आवश्यक कार्यवाही होए ओहि हेतु समेत ध्यानाकर्षण वडाध्यक्ष साह करौलाह । जाहि पर गृहमन्त्री लामिछाने यथाशिघ्र पहल कएल जाएत आ बतौलाह ।
    

 अतिक्रमण मुक्त कराएब प्रयास कएल गेला पर स्थानीय प्रहरी प्रशासन समेतस’ जेहन सहयोग समन्वय चाही ओ नइ होब सकलाक ओजहस’ अतिक्रमणकारी बहरीय शहरीयासभ मनपर्दी रुपमे सरकारी सम्पति हड़ैप रहल छै । एहि बातक सबूत प्रमाण सहितके फाइल देला पर गृहमन्त्री लामिछाने बहुत जल्दी एहि पर पहल होएत तेकर जनतब अहाँकेँ भेटत भरोस दियौलाह ।

 

वर्तमान सरकारमे राष्ट्रिय स्वतन्त्रत पार्टी सेहो समावेस भेल छै । पार्टी अध्यक्ष रबि लामिछाने गृहमन्त्रीकेँ जिम्माबारी सम्हारला पर मिथिला नगरि जनकपुरधाम पहिल बेर मङ्गल दिन सांझमे पधारलाह ।

 

जिला सुरक्षा समितिके बैसारमे सामेल होइत आइ बुध दिन अपन पार्टीके रजौल स्थित कार्यालयमे आमजनता समेतस’ भेटघाट गृहमन्त्री लामिछाने कएलाह ।

 

सार्वजनिक हितके जनअपेक्षित बातसभ सुनलाह आ जबाव सेहो दैत आब देश पहिनेजकाँ ब्यथा ब्यथितिमे नइ चलत बस अपनसभ देखैत जाउ। तोकभरोस सभकेँ गृहमन्त्री लामिछाने देलाह ।

यो खबर पढेर तपाईलाई कस्तो महसुस भयो ?