पूर्वमन्त्री साह फेरस’ कारागार पुगलाह

सीमाञ्चल समदिया

2 दिन पहिले प्रकाशित

45 पटक देखिएको

जनकपुरधाम–२६गते, भादव । पूर्वराज्यमन्त्री सञ्जय कुमार साहकेँ जेनजीके आन्दोलन ओजहस’ सुरक्षाक खतरा देखाक’ जेल प्रशासन छोड़ने छल । मुदा आइ पुनः साह जेल पुगि गेलाह अछि , एहन जनतब हुनक युवा सहयोगी नविन यादव बतौलाह अछि ।   

 

रामानन्द चौकमे भेल बम बिष्फोटन मुद्दाक संलग्नताक आरोपमे जेल जीवन बिताइब रहल छलाह । पूर्व मन्त्री साह काठमाण्डौं उपत्यका स्थित ललितपुरके नख्खु कारागारमे पूर्वपक्षलेेेेेेेेेेल छलाह ।

 

देशमे अराजक अवस्थाक कारण आन कैदी जकाँ हिनको ततकाल मुक्त कएलगेल छल । जाहि क्रममे ओ अपन गाम मिथिला नगरि जनकपुरधाम आएल छलाह । मुदा जहिना हुनका बोलाहट भेलैन्ह ओ तस’ प्रस्थान कएलाह । आइ बृहस्पति दिन ओ पुन कारागार पुंगि गेलाह अछि ।

 

जेन–जी पुस्ताक आन्दोलनक कारण कारागारके अवस्था तनावग्रस्त बनल छल । कारागार प्रशासन, जेलर आ आन्दोलनकारी समेत कारागारके सुरक्षाके कारण देखाक’ हुनका कारागारस’ मुक्त कएने छल ।

 

संगहि साहेसंग ओहि कारागारमे राजनीतिक बन्दीक रुपमे रहल रास्वपा अध्यक्ष एवं पूर्व उपप्रधान एवं गृहमन्त्री रवि लामिछाने, माओवादी नेता टाप बहादुर रायमाभीआदि समेत कारागारस’ बहराएल छलाह ।
    

 

बृहस्पति दिन भिन्सरे जनकपुरधामस’ पूर्वमन्त्री साह काठमाडौं गेलाह मुदा राजधानीक तनाबग्रस्त गम्भीर अवस्थाक कारण काभ्रे प्रहरीके सुरक्षा ल’क’ कारागार पुगलाह अछि ओ जनतब नविन यादव बतौलाह ।

 

सामाजिक सञ्जालमा सञ्जय साह पक्राउ परल कहिक’ फूसियाहा खबर किछु समाचार संस्थाद्वारा प्रशारण कएलगेल जे झुठ रहल दाबी हुनक सहयोगी यादवकएलाह  ।

 

यादवके कहब अनुसार जनकपुरधाम पूर्व मन्त्री साह अएला पर धनुषाक एसपी, सुरक्षा निकायक प्रमुखसँग समेत गपसप कएलाह आ नेपाल सरकार, गृहमन्त्रालय, कारागार विभागके सूचना आविते हम कारागारमे हाजिर होएब बतौने छलाह । बस एतबे बात छै युवा नेता यादव बतौलाह ।

यो खबर पढेर तपाईलाई कस्तो महसुस भयो ?