जेनजेडके अन्तिरिम सरकारमे सुशिला कार्कीकेँ सम्भावना

सीमाञ्चल समदिया

3 दिन पहिले प्रकाशित

105 पटक देखिएको

जनकपुरधाम,भादव–२५गते । पूर्वप्रधानन्याधीश सुशिला कार्की अथवा बालेन्द्र शाहकेँ प्रधानमन्त्री बनाओल जाय एवं देशमे हिन्दु राष्ट्र कायम कएल जाए पर जूम मिटिङ्गमे जोड देलगेल अछि ।

जेनजेड(न्भल–श)द्वारा आयोजित अनलाईन मिटिङमे ७ हजार ८ सय गोटेक उपस्थिति छल ! जाहिमे उक्त निर्णय सहित संसद विघटन कएल जाए ।

दू घण्टास’ जारी छलफल कोनो ठोस निर्णय अखनुधरि नहि निकलल अछि । छलफलके मूल विषयसभमे “संसद विगठन पूर्वप्रधान न्यायधीश कार्की अथवा शाहकेँ प्रधानमन्त्री बनाओल जाय । आन्दोलनमे  नरसंहार करएके आदेश दिअबाला तत्कालिन प्रधानमन्त्री, गृहमन्त्री सहित संलग्न सबकेँ तुरून्त पकैरक कारबाही कएल जाय ।”

जेन–जी पुस्ता समेतकेँ समेटकऽ ६ महिनाभितरि संघीय संसदके चुनाव घोषणा कएल जाय ।  
पहिल चरणमे ४६ सालस’ एम्हर सार्वजनिक पदधारन कऽकऽ बैसल उच्च पदस्त लोकसभकेँ श्री–सम्पति छानविन कएल जाय ।
भ्रष्टाचारक जतेक काण्डसभ भेल छै ओहिकेँ स्वतन्त्र आ न्यायीक छानविन कऽकऽ कारबाही कएल जाय ।

दू महिना भितर नवसंविधान बनाक जारी कएल जाए । जाहि संविधानमे हिन्दू राष्ट, प्रत्यक्ष निर्वाचित कार्यकारी प्रमुख होबक चाही । माने जनतास’ सिधा चुनलगेल लोक प्रधानमन्त्री बनए ओहन प्रावधान राखल जाए  ।

सांसदसभ मन्त्री बन’ नहि सकए ओ व्यवस्था कएल जाए ।
संघीय प्रदेश संरचना पूर्णरुपमे निरस्त, स्थानीय आ संघ मात्र राखल जाए  । दू कार्यकालस’ बेसी प्रधानमन्त्री होब नहि सकए तेहन व्यवस्था होए ।  ओ मांग प्रस्ताव कएलगेल अछि ।

अख्तियार, न्यायालय सहितक संवैधानिक परिषद्सभमे दलगत भागबण्डामे भेल विभिन्न नियुक्तिसभकेँ तत्काल खारेज एवं मेरिटके आधारमे नियुक्ती कएल जाए । राष्ट्रियसभा गैरदलीय बनाएब, स्थानीयतह गैरदलीय बनाएब ।

संगहि कोनहुँ पत्रकार, चिकित्सक, शिक्षक, विद्यार्थी, कर्मचारी दलीय संगठनमे आबद्धता निषेध कएल जाए ! तेहन प्रावधानसभ सेहो प्रस्ताव मांग कएलगेल अछि ।  युवा जमातसभ १३ स’ २८ वर्षक आयुबाला जेन जेड आ ७६ वर्षके चयन पर उतरत एहि प्रति बहुतोके आपती सेहो अछि ओ समाजिक सञ्जालेस’ प्रष्ट भ’रहल अछि ।

यो खबर पढेर तपाईलाई कस्तो महसुस भयो ?