महोत्तरी गापाद्वारा युवालक्षित रोजगारमूलक प्रशिक्षण

सीमाञ्चल समदिया

14 दिन पहिले प्रकाशित

83 पटक देखिएको

जनकपुरधाम–२गते,आषाढ़ । अपन हातके हुनर लुइर बुद्धि सीखक’ स्वदेशमे रोजगारीके अवसर सुनिश्चित होए, एहि अभिप्रायस’ स्थानीयलोककेँ जेहे होए ओहिमे अवसर प्रदान करब काज  महोत्तरी गाउँ पालिका कए रहल छै ।
 

महोत्तरी गापाके सहयोगमे रोजगार मूलक दक्षता हेतु बिधुतीय मोटर, ए.सी.,बिजली पंखा मर्मत करब सम्बन्धि प्रशिक्षण देलगेल छै ।
 एकमहिनाधैर संचालित मोटर,ए.सि.,पंखा मर्मत प्रशिक्षणमे पुरे समय  सामेल भ’क’ लुइर बुद्धि सीखलाहा सभकेँ आइ एकटा समारोहबीच सहभागिता प्रमाण पत्र   प्रदान कएलगेल ।

 

प्रशिक्षित आ प्रशिक्षक समेतकेँ महोत्तरी गापा अध्यक्ष दिलिपकुमार पाण्डे प्रमाणपत्र प्रदान कएलैन्ह । जे बुद्धि सीखलगेल छै ओकरा व्यवहारमे उतारुब आ ओहि मादे रोजगार करब जीवन सवांरब तखने प्रशिक्षणके सही उपयोगीता सिद्ध होएत । अपन धारना राखैत अध्यक्ष पाण्डे सहभागीसभकेँ उज्ज्वल भविष्यके कामना करैत कहलाह ।
  

प्रशिक्षण समापन कार्यक्रममे प्रशिक्षार्थीसभकेँ प्रमाणपत्र प्रदान कए विदाह कएलगेल । लोककल्याण परियोजना एकडार वडा नं.१के आयोजनमे एक महिने प्रशिक्षण कार्यक्रम सम्मपन्न भेल छल ।

 

समापन कार्यक्रममे महोत्तरी गापा वडा नं.३के अध्यक्ष शम्भुकुमार दास,वार्डसदस्यसभ, आयोजक संस्थाक काजल नागवंशी सहित स्थानीय भद्र लोकसभके सहभागिता छल ।
  

 

 बिधुतीय मोटर, ए.सी., बिजली पंखा बिगरलके कोना बनाएब मर्मत करब सुधारब विषयक प्रशिक्षण बितल जेष्ठ–२ गतेस’ आरम्भ भेल छल । आई आषाढ़–२ गते ठीक एक महिना पछाइत समापन भेल छै ।

प्रशिक्षण महोत्तरी वार्ड नं.३ मड़ै स्थित जनता माविके पैषालयमे भेल छल । जाहिमे विशेष रुपस’ युवावर्ग सामेल भेल छल ।

यो खबर पढेर तपाईलाई कस्तो महसुस भयो ?