असुरक्षित बनैत जनकपुर, दिनदहारे युवककेँ हत्या

सीमाञ्चल समदिया

26 दिन पहिले प्रकाशित

344 पटक देखिएको

सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम-२६गते,चैत । मिथिला नगरि मधेश प्रदेशके राजधानी जनकपुरधाममे एम्हर फेर अपराधिक गतिविधि  बढ’ लागल छै । आइ सोमदिन  एकटा युवककेँ खेहारि खेहारिक दबिया प्रहार क’क’ मारिदेलगेल छै ।
    

जनकपुरधाम उपमहानगरपालिका वडा नम्बर ४ अन्तर्गत परिक्रमा सरँचिया कुट्टी लगमे एहन प्राणलेब काज भेल छै ।
 विश्वकर्माचोक लगमे चल्ता फिरता सड़क पर २० बर्षक युवककँे हत्या भेल जनतब धनुषा प्रहरी स्वीकारलक अइ ।
 

जिल्ला प्रहरी कार्यालय धनुषास’ भेटल जनतब अनुसार महोत्तरी जिलाके एकडारा गाम पालिका वार्ड नं.३ भटौरिया गाम निवासी जबाहरलाल महासेठकेँ बेटा प्रिन्सकुमार महासेठकँे हत्या भेल पुष्टि भेल छै ।

किछु प्रत्यक्षदर्शीके कहब अनुसार, अपराधिक  समूह प्रिन्सकेँ खेहारि-खेहारिकदबिया(छुरा) प्रहार कएलक । रक्त बैहक अधमौगत भेल प्रिन्सकेँ उपचार हेतु प्रादेशिक अस्पताल जनकपुरमे पुगाओल गेल छल । मुदा चिकित्सक हुनका मृत घोषीत कए देलक ।

घटनामे संलग्नताके आरोपमे प्रहरी दूगोटेकेँ नियन्त्रणमे लेने छै । मुदा कहल नइ जासकैए एहेसभ एना कएने होएत ! अनुसन्धानके लेल शंकाके आधारमे दु युवक नियन्त्रणमे लेल गेल छै । पकरल गेलहासभकेँ नाम ठेकान प्रहरीद्वारा कहल नइ गेल छै ।

सोमदिन दिनमे दू बजेक ओनपोनमे हत्या भेल युवककेँ पिता कोरोना कालमे मृत्यु भगेल छल । तेकराबादस’ हुनक माय फलफूल बेचक लालन पालन करैत आएल छल ।

बिश्वकर्मा चौकस’ पछिम आ संरचिया कुट्टीस’ पुरुब पाउरोटी उद्योगके आगु न्युभिजन इस्कूल जायबाला बाटके सामने कोन पर घटना भेल बुझएमे आएल ।

यो खबर पढेर तपाईलाई कस्तो महसुस भयो ?