पाँचेघण्टामे पाकिस्तान युद्धविराम तोड़लक,चीन सेहो मुँह खोललक

सीमाञ्चल समदिया

8 घन्टा पहिले प्रकाशित

23 पटक देखिएको

जनकपुरधाम–२७गते, बैशाख । विगत तीनदिनस’ भारत–पाकिस्तानबीच चलैत आयल सैन्य कार्यवाही(युद्ध)  अमेरिकाकेँ दबापर दूनु देश युद्ध विराम करएमे सहमति भेल छै । मुदा पाकिस्तानी रबैयामे सुधार नइ आएल आ युद्ध बिराम तोडि़क बम बनुक छोड़ब काज शुरुए रहल । विभिन्न भारतीय सञ्चार मादे प्रशारित समाचारमे कहल जारहल छै ।
    

आइ शनि दिन अमेरकी राष्ट्रपति डोनाल्ड ट्रप दूनु देशकेँ सीज फारय लेल सामाजिक सञ्जालमादे आग्रह कएलाह । तखनि पाकिस्तानकेँ डीजीएमओ भारतके डीजीएमओस’ दूरभाषयन्त्र मादे बातचीत कएलाह ।

भारतीय समय अनुसार विा ३बजे पाकिस्तानी अधिकारी युद्ध विरामक वचन देलाह । मुदा पाँच घण्टोसमय नइ बितैत अपन देल वचन पालन नइ करए सकल । पाकीस्तान युद्धविराम करब कहितो सवा ८बजे एलओसी एवं इन्टरनेशनल बोर्डरपर गोलीबारीसब शुरु भगेल ।

पाकिस्तान भारतीयक्षेत्रमे सीमपारस’ युद्धविराम उल्लघंन करैत रहला पर भारतीय सुरक्षाकर्मीसभ सेहो जवाबी कार्यवाही जारी रखलक । प्राप्त समाचारसभमे कहलगेल छै ।
    

भारतीय सुरक्षा एजेन्सीसभकेँ भेटल जनतब अनुसार पाक नापाक हरकत करत आ पैघ घटनाकेँ फिराकमे रहल । ओहन जनतब भेटला पर पाकिस्तानी सीमास’ जुड़ल भारतीय गामसभमे सुरक्षा हेतु नागरिक सर्तकता अपनाब कहने छै ।

अखनु रातिक पौने १२ बजे राजस्थानके जैसलमेर जिलासदरमुकाम क्षेत्रमे पाँच स्थान पर धमाका भेल  प्राप्त समाचारमे कहलगेल छै । भारतीय सरकारके निर्देशन पर राज्य सरकासभ सेहो सुरक्षा दुरुस्त रखने छै ।

राजस्थानके बोडरस’ जुड़ल हरियाणा राज्यकेँ फतेहावाद, हिसार, पंजाब सीमास’ सटल हरियाणाके अम्बाला आ पंञ्जाबके पटियाला सहितके शहरमे ब्लेकआउट कएलगेल छै । जाहिस’ सीमापार आतंकी समूह वा सेनाद्वारा घनाबस्तीमे कएल जायबाला आक्रमनी घटना नइ होए ।

पाकिस्तानद्वारा युद्धविराम उल्लघंन कएला पर भारतीय विदेश सचिव बिक्रम मिसरी राज्यकेँ मुख्य सचिवसभकेँ जूम माध्यमस’ बैसार क’क’ जबाबी कार्यवाही जारी रखल जाय लेल सुरक्षाकर्मीसभकेँ फेरस’निर्देश देने छैथ ।

आतंकवाद बिरुद्धक भारतकेँ कार्यवाहीकेँ विभिन्न देश समर्थन सहयोगक बात कहैत आएल छै । ततहि पड़ोसी देश चीन चुप्प छल । मुदा आइ ओहो भारतक सम्बन्धमे बकार फोरलक !

भारतक सुरक्षा सल्लाहकार अजित डोवालसंगे चीनके एनएसए गप्पसप्प कएलक । जाहिमे चीन ‘भारत युद्ध नइ चाहैत छै ई नीक पक्ष छै । साउथ एशियामे शान्ति रहए ओ प्रयास होबक चाही ।

’प्रतिउत्तरमे भारतीय सुरक्षा सल्लाहकार डोवाल दू टुक शब्दमे कहला– ‘पाकिस्तान मोन साफ नइ छै । हमर धरती पर आविक हमरे लोककेँ अनुचित तरिकास’ रक्त बहौलक । ओकरा संगे जे खाड़ रहत हुनको लेल कल्हुक समय एहन होब’ सकैए । सबके सचेत रहब अपन अपन सीमामे रहल दरकार छै ’।

यो खबर पढेर तपाईलाई कस्तो महसुस भयो ?