तराइक्षेत्रमे नव पर्यटकीयक्षेत्र नारीमन ताल

12 घन्टा पहिले प्रकाशित
43 पटक देखिएको

जनकपुरधाम–२६गते,बैशाख । तराइक्षेत्रमे सेहो एक पर एक देखनहुत स्थान छै । जाहिठाम जाक’ शान्ति, सकुनक अनुभूति कएल जासकैए । तेहनसन स्थान छै सर्लाही जिलाकेँ चन्द्रनगर गाम पालिका अन्तर्गत ‘नारीमन ताल’ ।
तालकेँ व्यवस्थित पर्यटकीय स्थल बनाबकेँ महाअभियान चलाबमे गाम पालिका अध्यक्ष राज कुमार महतो लागल छथि । अतिरमणीय, हरियराली युक्त शान्त वातावरणमे झिल, वन वनस्पति, चिड़ै–चुनमुन, जन्तु आदि सहित पाकृतिक दृश्य देखिक’ नयनमोह मेटाब सकैत छी ! काया जुड़ाब सकैत छी !
तराइक्षेत्रमे मधेश प्रदेशमे सबस’ लग आ सस्ता सेहो पर्यटन केन्द्रके रुपमे नारीमनकेँ उत्थान करब साकारात्मक काजके आरम्भ कएल जारहल छै ।
आगामी–२९ गते,बुद्ध जयन्तिक दिन “नाढीमन तालमे यक्ष दह उद्यान निर्माण जनअभियान २०८२”के शुभारम्भ कएल जाएत । जाहि समारोहमे सहभागिता हेतु सबके आग्रह गापा अध्यक्ष महतो कएने छथि ।
भेटल जनतब अनुसार भिन्सर सातबजे नाढीमन ताल परिसरमे चन्द्रनगर गाउँ कार्यपालिका कार्यालय मातहतके वार्ड कार्यालय, स्वास्थ्य शाखा, सेवा केन्द्र,सामुदायीक तथा परम्परागत विधालयक सम्पूर्ण कर्मचारी, व्यवस्थापन समितिक लोककेँ अनिवार्य उपस्थिति हेतु आग्रह कएलगेल ।
हमर सौभाग्य छै जे अभियान शुरु करब अवसर हमरा भेटल छै । चन्द्रनगर गाउँ पालिकाके गौरव आ एवं ऐतिहासिक महत्वक अनुपम सांस्कृतिक सम्पदाके रुपमे नाढीमन ताल रहल छै ।
जाहिके संरक्षण, विकास, मौलिक पहिचान सहित पुनःनिर्माण एवं सौन्दर्यीकरण करब हेतु महत्वपूर्ण कार्य करए जारहल छी एहिमे सभपक्षक अपेक्षित सहयोगक आशा रखने छी, गापा अध्यक्ष महतो प्रशंन्नता व्यक्त करैत कहलाह ।