दुश्मनके खेहार मारमे लागल भारत, आजुकाराति फेर पाकलेल भारी

सीमाञ्चल समदिया

20 घन्टा पहिले प्रकाशित

49 पटक देखिएको

जनकपुरधाम । भारत पाकिस्तानकेँ बीच चर्कल द्वन्द युद्धके रुपमेपान्त्रीत भगेल छै । भारत पर गत २२ अप्रिलके दिन जम्मु काश्मीरकेँ पहलगाममे पर्यटकसभपर पाकिस्तानी आतंकी बनुकधारी एक नेपाली सहित २७गोटेकेँ गोली मारिक हत्या कएलगेल छल । ओकर प्रतिबदला हेतु भारत ‘सिन्दूर’ नामस’ सैन्य अपरेशन वितल मङ्गल रातिमे शुरु कएलक । पाकिस्तानके उपर तेहन धाबा बोललक जे आतंकक नायक देखितेके देखिते रहिगेल ।

अखनु जम्मु एअर पोर्टस’ भारतीय सैन्य फाइटर जेटसंग उड़ान भड़लक । तैँ आजुकादिन माने बृहस्पति राति सेहो पाकिस्तानकेँ लेल बडका मोस्कील आ दुरदीनसभ खाड करएबाला राति रहत । तेहन अनुमान भारतीय मिडियासभद्वारा लगाओल जारहल छै ।
    

पाकिस्तान ड्रोनस’ सेहो भारत पर बमवारी करब प्रयास कएलक मुदा भारतीय आधुनिक प्रविधियुक्त सिस्टम पाककेँ ड्रोनमे आकासेमे नष्ट कएलक प्राप्त समाचारसभमे कहलगेल छै ।  

मङ्गल राति पाकिस्तानकेँ लाहोर नगरमे रहल आतंकी ठेकान पर ताबरतोर मिसाइल दगलक । जाहिमे जैस–ए–मोहम्मदके  मुख्यालदय ध्वस्त भेल । आ आतंकक नायक अजहर मसुदक परिवारकेँ १४ गोटे मारल गेल छल । जाहिमे मसुदके दीदी, बहनोइ, बहिन, भतिजाके श्रीमति एवं भतिजी, भतिजा सहित मारल गेल । दाबी भारतीय विभिन्न सञ्चार माध्यमसभ कएने अछि ।
    

पाकिस्तान सीजफायर तोड़ैत भारतीय सीमाक्षेत्रकेँ गामसभमे आमनागरिककेँ उपर बम बनुक चलाक बदला लरहल छै । जाहिस’ भारत फेरस’ अपन अपरेशन सिन्दूरकेँ निरन्तरता देबमे लागिगेल ।       

 पाकिस्तानकेँ पञ्जाबमे चीन निर्मित आ १६ सय करोड़स’ बेसीके लागतस’बनल एअर सिस्टमकेँ नष्ट भारतके जवाबी कार्यवाहीमे भेल छै । मङ्गल राति एकबजेमे लाहौर, रावलपिन्डी,सियालकोटमे सेहो आतंकी ठेकाना पर मिसाइल बम गिरौने छल ।

पाकिस्तानके राबलपीण्ड स्थित स्टेडियममे पीएसएल क्रिकेट म्याच  बृहस्पति दिन होबबाला छल । मुदा भारतभ एअर एस्टाइकमे स्टेडियमो तवाह कदेलगेलास’ ओहि स्टेडियममे पेशावर एवं करांचीबीच होबबाला खेल सेहो बन्न भगेल बात प्राप्त समाचारस’ बुझएमे आएल छै ।

आतंकवाद बिरुद्धके पाकिस्तानसंग भारतीय लड़ाईकेँ अमेरिका, ब्रिटेन, फ्रान्स,इजरायल जेहन संसारक पैघदेशसभ   समर्थन कएने छै ।ततहि भारतीय नागरिक बेरबेर आतंकित गतिविधि करैत आएल पाकिस्तानसंग आरपारकेँ लड़ाइ भइए जाय ओ पक्षमे रहलास’ भारतीय प्रधान मन्त्री नरेन्द्र मोदी जनस्वर पर अमल कएलाह ।

२२ अप्रिलके  निहत्या भारतीय, नेपाली सहितकेँ कएलगेल हत्याके बदला आतंकबादी, आतंकी संगठन,आतंकके संस्थात क’क’  आतंकीके भरन पोषणकर्ताकेँ मटियामेट करब घोषणा कएने छै । ओहि मुताविक काज कएरहल छै । जाहिस’ अखनुका मोदी नेतृत्वक विकसित भारत दुश्मनकेँ खेहार मारमे लागिगेल छै ।

यो खबर पढेर तपाईलाई कस्तो महसुस भयो ?