सभामुखकेँ नाम भजाइ करैत जमाय,डरे सिस्कैत एकपरिवार

सीमाञ्चल समदिया

3 दिन पहिले प्रकाशित

419 पटक देखिएको

जनकपुरधाम२४गते,बैशाख । धनुषा जिला मिथिला बिहारी नगर पालिका अन्तर्गत एकटा  जनजाति परिवार दियादी झगड़ाके कारण गाम घर छोड़ पर बाधित बनल छै । मुदा सरोकारबाला केओ दब्बल–अब्बल एहि परिवारकेँ पक्षमे ठाढ़ नइ भरहल छै । तखनि हारि पाछिक’ पीडि़त परिवार पत्रकारसभकेँ गुहारब काज आइ अखनु कएक ।
   

 

मिथिला बिहारी नपा वार्ड नं.३ निवासी रोशन मण्डलके ३० वर्षीय श्रीमति मिलन देवी मण्डल बेर बेर प्रतारित होइत छी, प्रहरी प्रशासन केओ संग नइ दैए । कियक त’ हमरा उझन्नर क’क’  भगाबमे लागल हमर परोसिया सभामुखकेँ जमाय छै । तहिस’ पहुँ पैरवीके आधार पर अपराधिक जेहन काज कएलो पर सरोकारबाला निकाय दतारुकताक संग अपन जिम्मेवारी बहन नइ करहल छै । पत्रकार सम्मेलनमे ओ बतौलीह ।
  

 

 मिलन देवी घरके संगे घर रहल सियाशरण मण्डलकेँ ३२ वर्षके बेटा रमेश मण्डल समेत आठ–दश गोटे हमरा घर परिवार समेतकेँ बेरबेर प्रतारित करैए, मारै–पीटैए गाडि़फैज्जैत करैए । एकर सिकायत प्रहरीमे कएबेर कएने छी । ४ वर्ष पहिने जिला प्रहरी कार्यालय महिला सेलमे विपक्षीकेँ बजाक बैण्ड बनौलक तेकराबादो अपन करदानी नइ सुधारलक ।

 

विपक्षी रमेश  आ हुनक बाबु सियाशरण दियादी दुश्मनी साधब लेल २०८१ साल भादव ५गते  हमर घर–देहरीकेँ आगाामे फोहर, पानि फेकक फेर टेनामेनी शुरु कएलक । हम सम्झाब–बुझाब लेल प्रयास कएला पर उन्टे गाडि़बात देलक। बैज्जैत कएलक आ मारबो कएलक । कोदारि उसारिक’ काट सेहो आएल छल । पीडि़त मिलन देवी मण्डल प्रहरीमे बुझौने निवेदनमे ई बात खुलस्त कएने छै ।

 

एहि सम्बन्धमे ओहि वर्ष भादव ९गतेक फेरस’ प्रहरी कार्यालयमे सियाशरण मण्डल गल्ती स्वीकार करैत आब एना नइ करब कहिक सहमति कएलक । तथापि हुनक पुत्र सहितके उद्दण्डता कायमे छै !ओ कहली ।
    

 

भजन मण्डली आदिमे गीत गाविक गुज्जर करैत आएल रोशन मण्डल एवं हुनक परिवार  मिलन देवी आइ दश दिनस’ सतल नइ छी, एकटा बेटा एकटा बेटी हय दुनुके नकौने घुरैत छी । कखनि कत’ की कदेत तेहन भय बनल हय । हम कतह जाउ केकरा कहियो के हमर व्यथा बुझत पत्रकारसभ समक्ष प्रश्न रखलैथ ।

 

२०८२ बैशाख २०गते रातिक ८बजेके ओनपोनमे बियरके बोतल, महिलाके मासिक श्रावके समयमे लगाएल जायबाला सेन्टरी प्याड एवं दू पोकामे मानव मल(गूँह) घरके देहरी पर फेकलक । जेकर भिडियो दखबैत पत्रकारसम्मेलनमे पीडि़तपक्ष  ककरो नाम नइ लक’ पितस’ हमगारि परैत छलीए के फेकलक कहिक’ । ततबेमे आइबक’ विपक्षी रमेश मण्डल ठहैर जो तोरा देखबै छियौ !

 

तोरा कोन प्रहरी प्रशासन काम दैहौ ? हमरो ससुर रामचन्द्र मण्डल सभामुख हइ तोहर बपहियोकेँ ढल्ला सोहबादेतौ । कहैत ८–१०गोटे गुण्डा प्रबृतिके लोककेँ एकटा जीपमे बैशाक’ उन्टे हमरपतिकेँ तारापट्टी प्रहरीबृतमे लगेल । प्रहरी कार्यालयमे पति रोशन मण्डलके अश्लिल गाडि़दैत बेइज्जत दैत मारलक आ प्रहरी समक्ष घेंउट चांपि देने छल ।

 

हम खूब चिचिएली की बजारपरकेँ लोकसभ दौगल कहुना हमर पतिकेँ प्राण जोगल । तैँ पुनः पुनः प्रहरीमे एहे बितल २१गते निवेदन देल मुदा प्रहरी निवेदन लेलक आ दर्ता कएलक की नइ से नइ जानि । पीडि़त मिलन देवी सिस्कैत–कनैत कहलीह ।  
    

 

एतेक खेहरा करब पाछा ओकरा माने रमेशके बल भेटैत छै ओ सभामुखकेँ रहने । मधेश प्रदेशसभाके सभामुख रामचन्द्र मण्डलके जमाय रमेश मण्डल छै । जे पीडि़तके दियादी रिस्ता छै । बिदेश कमाक घर दुवार पक्की बनौने छै । तैँ उझन्नर क’क’ भगाब चाहैए ।

 

 

एहि सम्बन्धमे सभामुख मण्डलस’ नइ भेटली ? पत्रकारसभकेँ प्रश्न कएला पर मिलनदेवी कहलीह–“सभामुखके सेहो ५–६बेर कहलिऐ । ओ कहलाह जनकपुरमे भाड़ा ल’क’ रहग, चाहे ओहिठामस’ दोसर ठाम घर बनालाग, टण्टे साफ भजएतो ।”
       

 

२५ लाख लगाक घर बनौने छी । पन्द्रहु लाख देत त’ हम बालबच्चा ल’क’ कतहु चलि जाएब । दिनरातिकेँ काइँकीटकीटस’ नीक रहत । मुदा हुनकासभकेँ मनसाय छै एहिना उछन्नर करैत रहब आ भगादेब । बस अपनसभ हमरा न्याय दियादिअ पत्रकारसभसंग आग्रह करैत पीडि़त मिलन देवी कहलीह ।

यो खबर पढेर तपाईलाई कस्तो महसुस भयो ?