स्वस्थ्य पत्रकारितालेल स्वस्थ्य पत्रकार चाही : अध्यक्ष साह

सीमाञ्चल समदिया

6 दिन पहिले प्रकाशित

70 पटक देखिएको

जनकपुरधाम । विश्व प्रेस स्वतन्त्रता दिवस अवसर पर एतहु कार्यक्रमसभ कएलगेल छै । नेपाल पत्रकार महासंघ धनुषा शाखाके तत्वाधानमे एवं शाखा अध्यक्ष पुरन साहकेँ अगुवाईमे प्रभात फेरी, पत्रकारसभकेँ स्वास्थ्य परिक्षण सहितक कार्यक्रम एहि अवसर पर कएलगेल ।

 

शनिदिन भिन्सर सात बजेमे महासंघ धनुषाके कार्यालय तिरहुतिया गाछीस’ प्रभातफेरी बहार कएलगेल । भैरवचौक, महावीरचौक, जानकीमन्दिर प्राङ्गनमे प्रभातफेरी पुगिक किछुकाल बिलम्ल । ओतहस’ जानकीपथ होइत जनकचौक, रामचौक दने प्रादेशिक प्रयोगशालामे पत्रकारसभ सम्मलित जुलुश पुगल ।

 

प्रयोगशालामे प्रेस स्वतन्त्रता सेनानी अशोक रौनियार, रामभरत साह, अग्रज पत्रकार बिएम खनाल, परमेश्वर कापडि, पूर्वअध्यक्ष उमेश साह, केन्द्रिय सदस्य राजेश कर्ण, पूर्वकोषाध्यक्ष उपेन्द्रभगत नागवंशी, श्रीनारायण साह, कमला साह, माधव थापा, अजय कुमार झा, सुरेश झा, सहित नवपुस्ताक पत्रकारसभ धबेन्द्र झा,माला राय, लक्ष्मी चौधरी, बटुकनाथ झा, निरजन साह, ललन कुमार साह, शेलेन्द्र क्रान्ति, गोबिन्द महतो, प्रेम दास, मुकेश ठाकुर लगायत पाँच दर्जनस’ उपर पत्रकारसभ निशुल्क स्वास्थ्य परिक्षण करौलक ।

 

संगेसंग एकदर्जन जतेक पत्रकार रक्तदान सेहो कएलक । महिला पत्रकारसभकेँ पाठेघरकेँ क्यान्सर आदि रोग बारेमे चेकजाँच कएल गेल । ततहि पुरुष पत्रकारसभकेँ उच्चरक्त चाप, मधुमेह, मुत्ररोग, कडिनी सम्बन्धि एवम् संक्रमित रोगसभकेँ निशुल्क जांच कएल गेल । जेकर रिर्पोट काइल्ह देल जाएत महासंघ धनुषा अध्यक्ष पुरन साह देलाह ।

 

“हरेकवर्ष पत्रकारसभकेँ निशुल्क स्वास्थ्य परिक्षणके व्यवस्था महासंघ मिलाएत ! पत्रकार स्वस्थ्य रहत तखने स्वस्थ आ मर्यादित पत्रकारिता करत समाजलेल सच्चा उसासी बनत जेकर वर्तमान समयमे अधिक दरकार छै” अध्यक्ष साह तर्क दैत कहलाह ।

 

सुचना प्रबिधिकेँ वर्तमान युगमे देशक नीति रीति पत्रकार पत्रकारिता विपरिता जारहलाके ओजहस’ एक वर्षमे पत्रकार पत्रकारिता हित विपरित ७३ टा घटना भेल छै । जाहिमे १५१ पत्रकार एहि घटनास’ प्रभावित भेल । ५टा सञ्चार संस्था  एवं पाँचटा पत्रकारकेँ प्राणहरण भेल छै । नेपम केन्द्रिय कार्यालय मादे ई जनतब बहराएल छै ।

यो खबर पढेर तपाईलाई कस्तो महसुस भयो ?