विदेह नगरवासीकेँ लालपुर्जा भेटल

13 दिन पहिले प्रकाशित
87 पटक देखिएको

जनकपुरधाम–१३गते,बैशाख । धनुषा जिला सदरमुकाम जनकपुरधामस’ १२ किलेमीटर पुरुबमे रहल विदेह नगर पालिकाकेँ किछु वार्डवासी भूमिके आधिकारिक पत्र(लालपुर्जा) प्राप्त कएलने जनतब भेटल ।
विदेह नगर पालिका प्रमुख गाम ब्लोककेँ जग्गहके लालपुर्जा बनबाक एकटा समारोहबीच नगरप्रमुख बेचन दास सम्बन्धित सभकेँ पुर्जा हस्तान्त्रण कएलैन्ह ।
विदेह नपा वार्ड नं २ स्थित श्री शंकर जनता माध्यमिक विद्यालय दुहवी–गोवराहीके प्राङ्गणमे जगाधनी प्रमाणपत्र लालपुर्जा वितरण कार्यक्रम आइ कएलगेल ।
जाहिमे नापी कार्यालय, धनुषाद्वारा विदेह नगरपालिका वार्ड नं. २ आ ३ के बासीन्दासभकेँ लालपुर्जा वितरण कएलगेल छै ।
लालपुर्जा वितरण कार्यक्रमके अध्यक्षता नापी अधिकृत एवं टोली प्रमुख बौएलाल मंडल कएने छलाह । कार्यक्रममे विशिष्ट अतिथि रुपमे विदेह नपाके उपप्रमुख आशादेवी झा सेहो सामेल छलीह ।
तहिना लालपुजा वितरण कार्यक्रममे वार्ड नं. २ के वार्डअध्यक्ष रामपुकार सहनी, वार्ड नं.३ के अध्यक्ष रामश्रेष्ठ मुखिया एवं वार्ड सदस्यसभ समेत स्थानीय लोकसभ सामेल छलाह ।