होरिरङ्गमे रंगायल लोक बाजल ‘वार्ड नइ, नगर सम्हारक होबक चाही’

सीमाञ्चल समदिया

1 महीना पहिले प्रकाशित

308 पटक देखिएको

सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम-१०गते,चैत । लोकपर्व होरिक अवसर पर जनकपुरधाम उपमहानगर पालिका वार्ड नं.२३व्दारा ‘होरि मिलन समारोह’ आयोजन सम्पन्न कएलगेल ।

वार्डअध्यक्ष राघबेन्द्र प्रसाद साहके नेतृत्वमे वेस उछतगर कार्यक्रम भेल । अपन संस्कृति, पहिचानमूलक सन्देश छिटब हेतु अपन गाम-ठामस’ दूर पृथक स्थानमे जाक’ होरिक कार्यक्रम क’क’ विचार आदान प्रदानस’ नवसन्देश प्रवाहित करब सोकजगर प्रयास भेल ।

होरिक रङ्ग समाजके संग एहि नारासंग शनिदिन होरि मीलन समारोह जनकपुरधामस’ ३० किलोमीटर दूर रमणीय पर्यटकीय स्थल ‘मिथिला सागर’ किनारमे आयोजन सम्पन्न कएगेल ।

कार्यक्रममे वार्ड नं.२३के समाजक विभिन्न पक्षक भद्रलोक सहभागी छल । होरी सन्दर्भमे शुभकमना मनतव्य व्यक्त करैत ‘‘जनकपुरधामके पच्चिसो वार्डमे वार्ड नं.२३के वार्ड अध्यक्ष राघबेन्द्र साह पृथक छै ।

एहन इमान्दार, जनहितैसी कर्मनिष्ठलोककेँ वार्डे नइ नगर सम्हारक होबक चाही ’’ओ प्रमुख सहभागी वक्तासभ मनतव्य व्यक्त करैत बजलाह ।

ततहि हिनकासन युवाकेँ देशसेवा हेतु सदैब सम्र्पीत रहके चाही ओहिलेल समाजोकेँ लोकके सहयोगात्मक भूमिका नमाहैत रहक चाही जेना तइसवार्डवासीके छै । तहिना पचिसो वार्डवासीकेँ सहयोग होए, ओहन वातावरण बनाबके सल्लाह सेहो सहभागी लोक देलाह । 


अर्थात् लोक हुनकामे मेयरसन प्रतिभावान भाव देखरहल छै ओहन आशय सहभागी प्रमुख वक्तासभ अपन-अपन बात राखैत कहलाह ।

सयकड़ो लोकक जमघटमे प्रेस स्वतन्त्रता सेनानी अग्रज पत्रकार अशोक रौनियार, समाजसेवी युवा नेता सुरेश साह, केवलकुमार शर्मा, बैजनाथ चौधरी, योगेन्द्र साह, रामनरेश साह, प्रा. रमेशकुमार साह,सहितक सहभागी प्रमुख वक्तासभ विचार प्रवाहकर्तामे सामेल छलाह ।  

तहिना जनप्रतिनिधि विभादेवी ठाकुर, सकुन्ती, कैलाश साह, पत्रकार मिश्रीलाल मधुकर, कमल साह,  ग्रामिण देवेन्द्र महतो, शिवशंकर, उमेश साह, महादेव साह, सन्तोष चौधरी डा.शम्भु साह सहितक सहभागीसभ सेहो अपन-अपन धारना रखलाह एवं वडाअध्यक्ष साहक अखनुधैरके कार्यके सराहना कएलैथ ।

यो खबर पढेर तपाईलाई कस्तो महसुस भयो ?