रामनारायण स्मारक भवन निर्माण पर कारण देखाउ आदेश

2 दिन पहिले प्रकाशित
44 पटक देखिएको

जनकपुरधाम–७गते,बैशाख । जनकपुरधाम वार्ड नं.४ अर्न्तगत प्रसिद्ध सरोवर गङ्गासागरके पुरुवारी मोहार पर रामनारायण मिश्रके स्मारक भवन निर्माण कएल जारहल छल । अदालती आदेश पर निर्माण काज आइस’ ठमकल छै ।
जनकपुरधामको ऐतिहासिक एवं धार्मिक आ पुरातात्विक महत्वक पवित्र सरोवर जनकपुरधामके पहिचान गंगासागर पोखरिके पूर्वरीया मोहार पर भवन निर्माण काज भरल छै ओहि सम्बन्धि रिट उच्च अदालत जनकपुरधाममे दर्ज कराओल गेल छल ।
जाहि पर सममानित अदालत सुनवाई करैत अन्तरिम आदेश सोमदिन जारी कएलक । आदेशमे तत्काल निर्माण कार्य रोकल जाय । कहैत कारण देखाउ आदेश देने छै ।
उच्च अदालतके न्यायाधीश राजुराम सिलवाके एकल इजलास’ जारी भेल आदेशमे, जनकपुरधाम उपमहा नगर पालिकाबाट २०७९ फागुन ४ गते जारी कएलगेल नक्सा अनुसार भवन निर्माण कएल जारहल छल ।
जाहि काजस’ सार्वजनिक सम्पदामे ‘अपूरणीय क्षति’ पुगत से कहैत अदालत तत्काल निर्माण कार्य रोकल जाय । जौं निर्माण काज भरहल छै त’ जे जेहनावस्थामे जतेक निर्माण भगेल छै ततबेमे काज रोकिदेल जाय अदालत अपन निर्णयमे कहने छै ।
उच्च अदालत नियमाबली २०७३के धारा ४२(१) अनुसार अन्तरिम आदेश जारी कएलगेल छै । अदालतक आदेश बमोजिम काज स्थगन भेल छै । जिला प्रशासन कार्यालय धनुषा सहितके उपर महेन्द्र प्रसाद साह रिट मुद्दा अदालतमे दर्ज करौने छलाह ।
ओहि उत्प्रेष्ण मुदा नं.८१के सुनवाईमे बरिष्ठ अधिवक्ता रामनेक साह,मुकेशकुमार कार्की, प्रकाशकुमार घिमिरे, अधिवक्ता राहुलकुमार झा, रामसागर साह,राकेशकुमार साह बहस–पहल कएने छलाह ।