पिपरामे आधाकरोड़के लागतमे सल्हेस मन्दिर बनल दलीत समुदायमे उत्साह

सीमाञ्चल समदिया

7 दिन पहिले प्रकाशित

274 पटक देखिएको

जनकपुरधाम२गते बैशाख । सतुआनि–जुड़शीतलकेँ दिन मिथिलाक लोकदेवता राजा सल्हेसकेँ पुजन प्रथा सेहो हमरासबहक समाजमे एकटा दलीत समुदायक प्रमुख पुजा रहैत छै ।

 

महोत्तरी पिपरा गामवासी दलीत समुदायके पासवान जाति लेल एहिसालक नवकावर्ष ‘सतुआनि–जुड़शीतल’ बेसी शुभफलदायी  रहल । हुनकसबहक प्रमुख आदिम देवता सल्हेसक गहबर (पक्की मन्दिर) निर्माण कार्य पुरा भेल छै ।

 

पिपरा गाम पालिकाकेँ सहयोगस’ पिपरा गा.पा. वार्ड नं.४मे आधा करोड़ टाकाके लगानीमे ‘लोकदेवता राजसल्हेस’केँ मन्दिर  निमाृण काज पूर्ण भेल छै । मन्दिरकेँ उद्घाटन पिपरा गापा अध्यक्ष रामजानकी यादवकेँ नेतृत्वमे आइ एक समारोहबीच कएलगेल ।
  

 

 पिपरा वार्ड नं.४के वार्ड अध्यक्ष वैदेही पासवान समेतके उपस्थितिमे निर्माण भेल सल्हेस मन्दिर बृहत्तर जनकपुरक्षेत्र विकास परिषद्के पूर्वअध्यक्ष रामकुमार शर्माकेँ हातस’ उद्घाटन कएलगेल जनतब भेटल ।

 

महोत्तरी जिलास’ प्रतिनिधित्वकर्ता प्रदेश संसद अभिराम शर्मा तथा पिपरा गाम पालिकाकेँ संयुक्त लगानीमे लोक देवता राजा सल्हेसके देखनहुत पक्की भवनयुक्त मन्दिर ५०लाख टाकाके लगानीमे निर्माण भेल बात गापा अध्यक्ष रामजानकी यादव बतौने छथि ।

 

आबस’ प्रत्येक वर्ष बैशाख प्रथम दिनमे पिराके सल्हेस स्थानमे सेहो भव्य मेला लागत । वर्षेके सपना पुरा भेल दलीत समुदायक अपन कूलदेवता लोक नायक सल्हेसक मन्दिर बनलास’ ,तैस’ लोक गापा अध्यक्ष यादव आ वार्डअध्यक्ष वैदेही पासवानकेँ प्रशंसा करैत धन्यवाद दरहल छै ।

यो खबर पढेर तपाईलाई कस्तो महसुस भयो ?