तिनकुने घटनाकेँ निष्पक्ष छानविनलेल महासंघ आयोग गुहारलक

8 दिन पहिले प्रकाशित
82 पटक देखिएको

जनकपुरधाम–२९गते,चैत । एहे चैत बितल १५ गते नेपालके राजधानी काठमाण्डौ स्थित तिनकुने नामक स्थानमे रहस्यमय रुपमे हत्या कएलगेल पत्रकार सुरेश रजककेँ निष्पक्ष आ स्वतन्त्र रुपस’ छानविनकेँ माग नेपाल पत्रकार महासंघद्वारा कएलगेल छै ।
महासंघकेँ मधेश प्रदेश समिति तथा धनुषा जिला समिति फरक–फरक ज्ञापन पत्र मादे से मांग कएलगेल छै । आइ शुक्रदिन राष्ट्रिय मानव अधिकार आयोग मधेश प्रदेश कार्यालय जनकपुरधाममे महासंघ ज्ञापन बुझौलक ।
निष्पक्ष, स्वतन्त्र छानविन कएल जाय, दोषी उपर कार्यवाही कएल जाए । मृतक पत्रकार रजककेँ परिवारजनकेँ क्षतिपूर्ति उपलब्ध कराओल जाय । ओहि हेतु आयोगकेँ पहल करबलेल ज्ञापनपत्रमे आग्रह कएलगेल छै ।
तीनकुनेकेँ हिंसात्मक घटनामे प्रेस तथा अभिव्यक्ति स्वतन्त्रताकेँ हनन करैत सञ्चारगृहसभमे आ सञ्चारकर्मीसभ उपर आक्रमण बबृरतापूर्ण दमन कएलगेल । पत्रकार रजककेँ जित्ते आगि लगाक डाहि देब’के घृर्णित काज भेल ।
सञ्चारगृहकेँ क्षतिपूर्ति सेहो देल जाए, घाहिल पत्रकारकेँ निःशुल्क उपचार, सञ्चारगृह एवं सञ्चारकर्मीकेँ सुरक्षाके प्रत्याभूत कराओल जाय । विगतेस’ प्रेस स्वतन्त्रता हनन मे संलग्न रहलसभकेँ कानुनी कारवाही कएल जाय ।
ताहि सम्बन्धमे घटना पछाइत बितल चैत–१८ गते नेपाल सरकारक गृहमन्त्री समक्ष ध्यानाकर्षण पत्र बुझाओल गेल छल । तथापि सरकार सञ्चारक्षेत्र सञ्चारकर्मीसभप्रति जिम्मेवारी पूर्वक उत्तरदायित्व बहन करब दिशामे गम्भिर नइ रहल देखाएल ! ताहिसं महासंघ आन्दोलित भेल अछि । चरणबद्ध आन्दोलनात्मक कार्यक्रम महासंघ करैत आयल छै ।
ओहि क्रममे आयोग मार्फत फेरस’ सरकारकेँ ध्यानाकर्षण कराबके संगेसंग चैत १५गतेकेँ घटनाकेँ स्वतन्त्र, निष्पक्ष छानविन होए आ दूधके दूध पानिके पानि छुटियाओल जाय ओ आग्रह ज्ञापनपत्र मादे नेपम धनुषा आ नेपम मधेश प्रदेश समिति आयोगस’ कएने छै ।
महासंघ धनुषाके अध्यक्ष पुरन साहकेँ नेतृत्वमे तथा नेपम प्रदेश सचिव हदिस खद्दारकेँ अगुवाईमे अलगे–अलगे गेल पत्रकारके समूह ज्ञापन बुझौलक ।
राष्ट्रिय मानव अधिकार आयोग मधेश प्रदेश कार्यालयक मानव अधिकार अधिकृत कुमारी शरना (उराव) ज्ञापनपत्र बुझैत आयोग अपन स्वतन्त्र अनुसंधान करएमे लागल छै बतौलैथ । संगहि ज्ञापनपत्र आयोक प्रधान कार्यालय काठमाण्डौमे जहिनाके तहिना पठाबके भरोस दियौलीह ।