लोकतन्त्रकेँ रक्षालेल सबकेओ पहरु करु : प्रम ओली

9 दिन पहिले प्रकाशित
88 पटक देखिएको

जनकपुरधाम–२६गते,चैत़ । “विकास कार्यमे सबकेँ जवाबदेह बनाओल जाय जाहिस’ जनता लोकतन्त्रक अनुभूति सहजतास’ करए सकए । ओहि हेतु संघीय लोकतान्त्रिक गणतन्त्रात्मक व्यवस्था हमरासभ अनने छी । एहि व्यवस्था पर सभकेँ गौरव करक चाही” !
प्रधानमन्त्री खड्क प्रसाद शर्मा ओली(केपी ओली) । मङ्गलदिन अखनु मधेश प्रदेश सभामे अपन धारना रखैत कहलाह । मधेश प्रदेश सभाके चारिम अधिवेशन एवं एक्कैसम् बैसारकेँ सम्बोधन हेतु मंगल दिन मिथिला नगरि जनकपुरधाममे पुगलाह ।
मधेश प्रदेश सभाके सभामुख रामचन्द्र मण्डल प्रधानमन्त्रीकेँ स्वागत करैत सम्बोधन हेतु आग्रह कएलाह पर प्रधानमन्त्री ओली— “ऋषि,महर्षि सबकेँ तपोभूमि,ज्ञानभूमि विदेह–मिथिलाक्षेत्र जनक जानकीके पावनभूमि जनकपुरधामके प्रसिद्धी संसारमे छै । मधेश प्रदेश आइ ओहि पवित्रभूमि पर पसरल छ”कहलाह ।
तहिया स्मृति, श्रृति परम्परा अनुसार समाजमे ज्ञान फैलाब, पसारकेँ काज होइत छल । ओहि तरकें लोकतन्त्रक सुन्दरताकेँ समाजमे फैलाब–पसारब काज होबक चाही ।
प्रदेश सरकार स्थानीय सरकार ओहि मुताविक काज करो ! से ओ अपन सम्बोधन मादे स्थानीय आ प्रदेश सरकारकेँ ध्यान केन्द्रित करौलाह । “ जनताके जीवनमे लोकतन्त्र आबक चाही । तखनि मात्र लोकतन्त्रक सुन्दरता सफल होएत ” प्रम ओली कहलाह ।
राजनीतिक नेता कार्यकतासभप्रति बितृर्ष्णा बढ़बप्रति संकेत करैत प्रधानमन्त्री ओली भ्रष्ट्राचार नियन्त्रण आवयक छै ’ हम भ्रष्टाचार निर्मूल करब, कनेक धैर्य धयल जाय । हम शुसाशन लाएब कहलाह ।
अनुशासन आ सेवाभावि जनउत्तरदायी काजस’ मात्र जनताक मोन जीतल जासकैए । ओ काज प्राथमिकतामे राखिक’ कएल जाय । तिनुतहकेँ सरकार कर्मचारीकेँ जनसेवामे सर्म्पीत होबही चाही । ताहिप्रति ओ जोड़ देलाह ।
मधेश प्रदेशमे बाल वियाह, गरीबि, अशिक्षा, अन्धआस्था प्रतिस’ मुक्ति सेहो दियाब दिश लागब आवश्यक छै । प्रशासनीक दायित्वके प्रभावकारी कार्यान्वयन होए ओहि अभिप्रायस’ वर्तमान संघीय लोकतान्त्रिक व्यवस्था आनलगेल छै ।
चेतनामे अग्रनी प्रदेश मधेश प्रदेश रहल छै । तैँ लोकतान्त्रिक मूल्य मान्यताकेँ रक्षालेल सबके सदैब पहरेदारी करैत रहक चाही । एहिके विपरितकेँ वातावरण निर्माण होए ओहन काज हमसभ नइ करी, प्रधानमन्त्री ओली प्रदेशसभामे सामेल सदस्यगणस’ सेहो आग्रह कएलाह ।