सड़क पीच हेतु स्थलगत अवलोकनमे संसद महतो

सीमाञ्चल समदिया

10 दिन पहिले प्रकाशित

280 पटक देखिएको

जनकपुरधाम२५गते,चैत । धनुषाक्षेत्र नं.३स’ निर्वाचित संघीय संसद जुली कुमारी महतो शहरी विकासके काज कि केहन भरह छै ताहि हेतु स्थलगत अवलोकन भ्रमण कएलीह ।
 

भेटल जनतब अनुसार शहरी विकास मन्त्रालय २४ करोड़ टाका सड़क पीचिङ्ग करब हेतु बजेट बिनियोजन कएने छै ।
बजेट रकम संसद महतोकेँ प्रयासस’ नेपाल सरकार बजेटमे समावेस कएने हुनक सहयोगी दिपन ठाकुरद्वारा बताओल गेल छै ।  
 

जनकपुरधाम उपमहानगर पालिका वार्ड न.१२ कुवा, १५के रामपुर(रामरमणपुर) आ वार्ड नं.१६के कपलेश्वरस’ कुवा–रामपुरधरि जोडबाला कच्ची सड़ककेँ पक्की पीच बनाबकेँ योजनामे सामेल छै ।

जाहिकेँ प्रकृयागत कागजी काज पुरा भचुकल छै । तैँ निर्माण काज सुचारु कराब लेल संसद महतो सोमदिन कपलेश्वरस’ रामपुरधैर स्थलगत निरिक्षण कएलीह । निरिक्षणको क्रममे अपनक्षेत्रक जनतासंग छलफल आदि सेहो कएने छलीह ।

यो खबर पढेर तपाईलाई कस्तो महसुस भयो ?