लोकतन्त्र रक्षार्थ एमाले कार्यकर्तासभ मोटरसाइकिलस’ हरोर मचौलक

सीमाञ्चल समदिया

7 महीना पहिले प्रकाशित

267 पटक देखिएको

जनकपुरधाम–१८ गते,चैत । आइ सोमदिन सत्ताधारी नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी एमाले सम्बद्ध नेता कार्यकर्ता मिथिला नगरि जनक जानकीके गाम जनकपुरधामके  सड़क पर जुलुस बहार कएलक ।

 

नेकपा एमाले धनुषा जिला कमिटी द्वारा गणतन्त्रक पक्षमे, गणतन्त्र विरोधिके साबधान, खबरदारी कराबलेल सचेतना जुलुस कएलक । 

 

संघीय लोकतान्त्रिक गणतन्त्र जिन्दावाद ! केपी ओली जिन्दावाद ! लोकतन्त्र मेटाबचाहबाला मुर्दावाद ! नेकपा एमाले जिन्दावाद जेहन नारा धनकाबैत नगरिभरि मोटर साइकिल गुड़बैत पञ्चायत पक्षधर, धर्म निरपेक्षता बिरोधीसभकेँ जुलुस मादे चेतौनी देबके काज एक तरहें कएलक ।
  

 

 मोटरसाइकिल जुलुसमे एमाले सम्बद्ध स्थानीय नेता  संसद हरिनारायण महतो, दीपेन्द्र ठाकुर, उमाशंकर अरगडि़या,राजकिशोर यादव, जउबासंघ अध्यक्ष सुरेन्द्र कुमार भण्डारी,शिवशंकर साह हिरा, भोला यादव, सञ्जिव झा सुरज  सहितक अगुवा नेता, कार्यकर्तासभकेँ जुलुसमे देखल गेल ।

 

मोसा जुलुस पार्टी कार्यालय मिथिला भवनस’ बहार भेल छल । सउंसे जनकपुर हरोर मचबैत, लोकतन्त्र गणतन्त्रक बिरुद्धक षडयन्त्रस’ जोगब हेतु जनमानतसमे सन्देश छिरियाबैत, गाछ विनाकेँ ऐतिहासिक तिरहुतियागाछीमे आविक जुलुस विराम लागल छल ।

यो खबर पढेर तपाईलाई कस्तो महसुस भयो ?