‘हरित, उत्पादनशील,जलवायु मैत्री समावेसी सडक’ निर्माण कराओत प्रदेश सरकार

सीमाञ्चल समदिया

2 दिन पहिले प्रकाशित

115 पटक देखिएको

जनकपुरधाम–१६गते,जेष्ठ । पूर्वाधारके मैरुदण्ड सडक एवं यातायातक सञ्जाल एवं सुरक्षित विकास स’ नागरिककेँ सहजता उपलब्ध कराएब सरकारकेँ प्राथमिकतामे रहल छै । मधेश सरकार सेहो ओहि बातकेँ ध्यानमे राखिक ‘प्रादेशीक सड़क सञ्जाल गुरु योजना’ कार्यान्वयनमे लाएब जनतब देलगेल छै ।
    

 

भौतिक पूर्वाधार विकास मन्त्रालय आइ अखनु पत्रकार सम्मेलन मादे जनतब देलाह । बारहो महिना सडक सञ्जाल सञ्चालन हेतु नदी, पैनीमे आवश्यक पुलसभकेँ निर्माण एहि चालु आर्थिक वर्षमे करत । ओ बात पत्रकार सम्मेलनमे  मधेश प्रदेशके भौतिक पूर्वाधार मन्त्री सरोज कुमार यादव बतौलाह ।

 

‘हरित, उत्पादनशील, समावेसी,  जलवायु मैत्री सहितके पूर्वाधार विकास दीर्घकालीन सम्मुन्नतिक आधार ’! एहि नारा े संग नेपालके सातो प्रदेशमे “एक निर्वाचनक्षेत्र एकटा पक्की पुल ” संघीय सरकारकेँ कार्यक्रम अन्तर्गत मधेश प्रदेशके प्रदेश निर्वाचनक्षेत्रमे ६४ टा पुल आ पक्की सड़क निर्माणके योजना छनौट भ’क’ कार्यान्वयन दिस रहल छै । सेहो जनतब कार्यक्रममे देल गेल ।
    

 

“एक निर्वाचनक्षेत्र एकटा सड़क कार्यक्रम”के दोसरचरणके कार्यक्रमके लेल प्रधानमन्त्री केपी शर्मा ओली रवि दिन जनकपुरधाम पधारि रहल छैथ । ओ एहि कार्यक्रमके विधिवत् शुभारम्भ करताह ।

जेकर भचुअल  उद्घाटन मधेश प्रदेशके अन्य सातो प्रदेशमे सरोकारबालासभ प्रत्यक्ष अवलोकन करसकत तेहन व्यवस्था मीलाओल गेल छै । से जनतब निमित्त प्रदेश सचिव सञ्जय प्रसाद साह पत्रकार सम्मेलनमे बतौलाह ।

 

प्रदेशके २१ स्थानीयतहके केन्द्रस’ सड़क जोड़ब बास्ते विश्व बैंकके सहयोगमे स्थानीय तथा प्रादेशीक सडक सुधार कार्यक्रम सञ्चालनमे रहल छै । जाहिमे १९८ किलोमीटर अलकतरायुक्त पीच सड़क, ३२६ किलोमीटर बृहत सड़क मरम्मत निर्माण आ एक हजार किलो मीटर  नीयमीत सड़क मरम्मतके काज  होएत तेहन योजना निर्माण आ कार्यान्वयन कएल जाए लागल छै ओहो जनतब शनिदिनक पत्रकार सम्मेलनमे देलगेल ।

यो खबर पढेर तपाईलाई कस्तो महसुस भयो ?