मटिहानी नपाके नवअभियानः जनताके घर-देहरी पर सेवा

10 महीना पहिले प्रकाशित
503 पटक देखिएको

सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम-७गते,बैशाख । लोकके आवश्यक सेवा सुविधा लोकके घर देहरीय पर जाक’ प्रदान करब काज महोत्तरीमे एकटा पालिका मादे शुरु कएलगेल छै ।
भेटल जनतब अनुसार मटिहानी नगरपालिकाके नगर प्रमुख हरि प्रसाद मण्डल नगर पालिकाद्वारा प्रदान कएल जायबाला सेवा-सुविधा जनताकेँ घर-देहरीय पर जाक’ प्रदान करब काजके श्रीगणेश कएलाह ।
‘एकीकृत घुम्ती सेवा शिविर’ नामाकरण क’क’ नगर पालिकाककेँ प्रतेक वार्ड-गाम टोलमे आइ ४दिनस’ सेवा प्रदान कएल जारहल जनतब प्रमुख प्रशासकीय अधिकृत चन्दशेखर शर्मा देलाह ।
बृहस्पति दिन महोत्तरी जिलाकेँ मटिहानी नगरपालिका वड़ा नं.७ मे घुमति शिविर सञ्चालित भेल । मटिहानी-७ मे पशु सेवा शाखामे हर्षमय एवं शान्तिपूणर् वातावरणमा शिविर सम्पन्न भेल छल । तहिना शिविर सञ्चालनक चारिम दिन शुक्रक मटिहानी नपाके वड़ा नं.-८ अन्तर्गत मटिहानीमे एकिकृत घुमति सेवा शिविर संचालन भरहल छै ।
एहितरहक घुमति शिविर गृहप्रशासनक पहलमे पहिने समय समय पर बहार कएल जाइत छल । गाम घरस’ सदरमुकाम नइ आबसकबाला जनतालेल हुनक गामगाममे जाक बेगरताके काज कदेब काज होइत छल ।
लोकतान्त्रिक सरकार अएलाबाद जनताके उपर ध्यान देब काज बन्न भगेल । देश नेतामुखी बैन गेल । तेहनासन अवस्थामे मटिहानी नगर पालिका जनताके सहि प्रतिनिधित्व बोध करबैत वार्ड वार्ड टोल-टोलमे शिविर सञ्चालन क’क’ सेवा प्रदायक जनमानसकेँ निशुल्क सेवा देबके काज सराहनीय छै ।
बियाह दर्ता, बसाई-सराई, जन्म-मृत्यु दर्ता, नागरिक्ताके सिफारिस, घर,बाट, चारि किल्ला प्रमाणित, सहर्जमिण मुचुल्का, सम्पूणर् स्वास्थ्यसेवा,शैक्षिक पराशर्म,कृषिजन सेवा आदि नगर पालिकास’ प्रदान कएल जायबाला आवश्य सेवा शिविर मादे देल जारहल छै ।
अत्याधिक रौद आ गर्मीक कारण अहूना लोक घर दूर जाय नइ चाहैत छै । तेहन समयमे घर लगमे सेवादारु पुगिक सेवा प्रदान करए ई अनुठा काम लोकतन्त्रमे लोककेँ सहि प्रतिनिधि मटिहानीय नपासन करबमे अग्रता देखौलक अइ ।
घुमति शिविरमे नगर प्रमुख हरि मण्डल, उपप्रमुख मंजु देवी साह, प्रमुख प्रशासकीय अधिकृत चन्द्रशेखर शर्मा, सम्बन्धित वार्डके वार्डअध्यक्ष आ सदस्यसभ, शिक्षा शाखा, स्वास्थ्य शाखा, कृषि शाखा, सहितक शाखा प्रमुख एवं अन्य कामदार, प्राबिधिक आदि सभ उपस्थित रहैत आएल छै आ सेवा प्राप्त क’क’ लाभग्राही गदगद अनुभूति करहल छै । घुमति शिविर आगामी-१२गतेधरि जारी रहत, सेहो जनतब भेटल ।