आधारभूत,आकस्मिक स्वास्थ्य सेवा सुनिश्चितता पर सम्वाद

7 दिन पहिले प्रकाशित
61 पटक देखिएको

जनकपुरधाम–१२गते,जेठ़ । मधेश प्रदेश स्तरीय एकदिना ‘आधारभूत तथा आकस्मिक स्वास्थ्य सेवा सुनिश्चित हेतु नीति सम्वाद कार्यक्रम’ एतह सम्पन्न भेल छै ।
नेपाल सरकार स्वास्थ्य तथा जनसंख्या मन्त्रालय अधिनक स्वास्थ्य सेवा विभागके उपचारात्मक सेवा प्र महाशाखा मादे कार्यक्रम आयोजन कएलगेल । जेकर सहयोगी संस्था विश्व स्वास्थ्य संगठन छल । मधेश प्रदेशके स्वास्थ्य तथा जनसंख्या मन्त्रालयके सचिव डा. सुधा देवकोटाके सभापतित्वमे कार्यक्रम सोमदिन कएलगेल ।
प्रज्ञा चान्दनी आचार्य गोष्ठीके औचित्य बारेमे जनतब देलगेल । ततहि उपचारात्मक सेवा महाशाखाके प्रमुख कमलेश मिश्र आधारभूत तथा आकस्मिक स्वास्थ्य सेवा सम्बन्धि कानुनी अधिकार तथा वर्तमान अवस्था बारेमे कार्यपत्र प्रस्तुत कएलाह ।
एकदिना गोष्ठीमे ‘आधारभूत तथा आकस्मिक स्वास्थ्य सेवाके वर्तमानअवस्था तथा चुनौती सम्बन्धि’ मुख्य विषय पर सहभागीसभ केन्द्रित भ’क’ छलफल कएलाह । कार्यक्रममे मधेश प्रदेशके आठो जिलाके पालिका प्रमुख, पालिका अधिनक स्वास्थ्य प्रमुखसभ प्रदेश सरकार एवं स्वास्थ्य संस्थास सम्बन्धित लोक, पत्रकार आदिसभकेँ बेस जमघट छल । आधारभूत तथा आकस्मिक स्वास्थ्य सेवा सम्बन्धि विषयक छलफल एवं प्रश्नोत्तरमे सहजीकरण भोगेन्द्र राज डोटेल कएलाह ।
कार्यक्रममे नेपाल पत्रकार महासंघकेँ उपाध्यक्ष अवधेश कामत, जनकपुर एक्सप्रेस दैनिक पत्रिकासंगे समेत सम्बद्ध रेडियो नेपालक समाचारदाता अजयकुमार झा, स्वास्थ्य निर्देशनालय मधेश प्रदेशकेँ निर्देशक सरोज न्योपाने, परिवार महाशाखाके प्रतिभा सिंह, निर्देश्नाय कर्मचारी विनोद यादव, महोत्तरी जिला मटिहानी नगर पालिका प्रमुख हरि प्रसाद मण्डल, सर्लाही जिला हरिवन नगर पालिका प्रमुख रमेश बुढाथोकी सहितक सहभागिता छल । सभ अपन अपन पालिकाकेँ स्वास्थ्य सम्बन्धि विवरण प्रस्तुत कएलाह ।