रघुनाथपुर बिरेन्द्रबजार सड़क समयस’ पहिने दाँत खिस्ट लागल

10 महीना पहिले प्रकाशित
447 पटक देखिएको

सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम-१६गते,चैत । हमरासभके देश नेपालमे स्वदेशी काज होए अथवा बिदेशी सहयोगस’ दूनु एक्कहि तरहक काज होइत छै ओ देखबामे आएल ।
जनकपुरधामस’ १५ किलोमीटर जतेक दूर शहिदनगर(यदूकुहा)लगमे पक्की सड़क निर्माण देखकऽ सेहो लगैत छै । भारतीय सहयोगमे बनल सड़क समयस’ पहिने दाँत चिराइ रहल छै ।
महिनाथपुर-सबैला-बिरेन्द्रबजार सड़कखण्ड भारतीय सरकारक सहयोगमे निर्माण भेल छै । जे सड़क टुट-फूट लागल छै जाहिस’ सडकके गुणवत्ता दरैश रहल छै । सड़क-पीच बनाबाला ठेकेदार निर्माण व्यवसायीके पोल सेहो खोलैत छै ।
बिशेष रुपस’ सबैला नगर पालिकाके सिमरापट्टीस’ शहिदनगर नगरपालिकाकेँ हौवाहीधरि पक्की चमचमाइत देखनहुत सड़ककेँ गत्तरसभ टुटल- फूटल छै ।
सड़कके पुरवारी कातस’ लमेलामी ७ किलोमीटरधैर चरक्का लागल छै । जेना दलकीके दल्लकस’ चर्कल होए तेहनासन अवस्थाके सड़क-पीच भगेल छै ।
कतहु कतहु पीच उखैरक खदियामे परिणत भगेल छै मुदा ओकर सुधारकर्ता देखबैया केओ नइ ! एकदशक चलबाला पीच दुइए तिन बरिसमे दाँत खिस्ट लागल छै एहन गुणस्तरीय सड़क पीच निर्माण भेल छै ।