बड़–कनियाँ मीलन महोत्सवके प्रतिक ‘बरसाइत’

7 दिन पहिले प्रकाशित
276 पटक देखिएको

जनकपुरधाम–१२गते,जेठ़ । बड़–साइत ! माने शुभ सुचक दिन । बड़–कनियाँकेँ मीलन महोत्सवके सन्दर्भस’ जुड़ल ई पर्व आइ मिथिला–नेपालक विभिन्न भूभागमे अहिवाती महिलासभ श्रद्धा आ निष्टाक संग मनौलक ।
बड़ जेकर सभस’ छोट वीया होइत छै । मुदा, गाछ बहुत नम्हर बिशाल होइत छै । आयुर्वेदमे बड़के दूध बीर्यवद्र्धक मानल गेल छै । अनेक जीवानुस’ लड़’बाला देहमे प्रतिरोधात्मक शक्तिकेँ बृद्धिकारक होइत छै ।
तहिस’ नारी अपन पति, श्रीमान्, घरबाला, सांइस’ ओहन बलिष्ट,वीर्यवान बनल रहए , कामुक रहए, प्रेम सिनेहमे कमि नइ करए , पर नारी गमणमे नइ जाय ओ पवित्र अपेक्षा–भाव राखिक ईपर्व करैत अछि । एकर सांस्कृतिक अन्तरघुलनशीलता बड़साइत पुजन परम्परामे अन्तरनिहित छै ।
आजुक समयमे लोक अपन वियाह उत्सव प्रत्येक वर्ष विवाह भेल दिनमे मनाबैत छै । प्राचीन सनातन संस्कृतिमे एक प्रकारस’ बड़साइत पावनि वियाह महोत्सवकेँ वार्षिक छै ओ बुझल जाय ।
बड़–कनियाँ, दुलहा–दुलहीनकेँ मधुर मीलन भेल दिनकेँ स्मरनमे प्रत्येक वर्ष विवाहिताद्वारा ईलोकपर्व मनाओल जाइत छै । से पुझल जाय । ओना एकर सांस्कृतिक पाट आओरसभ सेहो छै मूदा मूलतः बड़ साइत दाम्पत्य जीवनक एक निष्टा आ एक दोसर प्रतिकेँ सर्म्पण छै ओ बात एहि आलेखसंग समावेश तस्वीरमे रहल बरसाइत कएनिहारि महिलानन्नु कुमारी दास, संगीता तिवारी, संध्या सिंह आ रामसीयाम देवीस’ सेहो बुझएमे आएल ।
एहि पर्वमे सिजन अनुकूलक फल जेना केरा, लुच्ची, आम, खीड़ा, फूइट, आदि चलाओल जाइत छै । एकर अतिरिक्त बदाम, मूँगकेँ फूलाक औकूंरी बड़गाछ जडि़मे चलाओल जाइत छै । फेर कच्चा सूतस’ गाछके सातबेर लपेटल जाइत छै ।
पवनैतिन बड़पातस’ अपन माथ निहुँछक’ ‘बड़ दिय मर लिय’ कहैत पाछा पात फैकैत छै । बेना डोलाक हब्बा दैत छै । जे प्रकृतिक पुजन छै । गाछ हमरासभकेँ सबदिन आक्सीजन दैत रहए आ बलाय लैत रहए । ई मन भावन कल्पना रहैत छै ।
बड़ गाछ लगस’ पुजा क’क’ अएला पछाइत अपन पति, श्रीमान्कँे फूलहा अथवा ताम्बाके थारी परात मे पयर धोक’ हातमे पीठार लगाक पुजन करैत छै । टीका चानन लगाक पयर औंठाकेँ धोक’ जल ग्रहण करैत छै । श्रीमानके प्रसाद रुपमे बड़गाछ लग चढ़ाओल केरा, आम, औंकूरी, लुच्ची प्रसाद रुपमे खुआओल जाइत छै ।
प्रसाद खुआबैत काल महिला बेना डालबैत रहैछ । तकराबाद चरण छुइबक’ प्रणाम करैत, पति परमेश्वरस’ दामपत्य जीवनक सुखद कामनाक आश ल’ आशिर्वाद मंगैत छै । बरसाइत दिनमे अनोना मुदा एक संझा भोजन पवनैतिनसभ करैत छथिन ।