रबिन्द्र जयन्ति पर सातदिना योगाभ्यास

21 दिन पहिले प्रकाशित
174 पटक देखिएको

जनकपुरधाम–१०गते,बैशाख । प्रकृतिक पे्रमी, अध्यात्मिक चिन्तक, सुच्चा पत्रकार रबिन्द्र साहकेँ ४७ सम् जन्म–जयन्तिके अवसर पर आइस’ योगाभ्यास आरम्भ कएलगेल छै ।
कर्मनिष्ट कलमजीवी महामना राजेश्वर नेपालीक पुत्र क्रान्तिकारी पत्रकार,कवि, अध्यात्मवादी रबिन्द्र साह समयस’ पहिने एहि समाजस’ विदाह भगेल छलाह । मुदा अपन कलमी जादूके बले समाजकेँ जीवन–दर्शन बनल छथि ।
हुनक योगदानकेँ स्मरण करैत हुनक भाय राघवेन्द्र प्रसाद साह सैतालिसम् जन्मोत्सव कार्यक्रम आयोजन कराक’ बृहस्पति दिन श्रद्धा–सुमन अर्पण कएलथि ।
ऐतिहासिक पौराणिक महत्व नुकौने पवित्र नदि दूधमतिकेँ बेलागाम स्थित गणिनाथ गोविन्द मन्दिर प्राङ्गनमे योग–ध्यान कार्यक्रम बृहस्पति दिनस’ आरम्भ कएलगेल छै ।
सैतालिसम् रबिन्द्र जयन्तिके अवसर पर आयोजित योग–ध्यान कार्यक्रमकेँ उद्घाटन जनकपुर उपमहानगर पालिकाके मेयर मनोजकुमार साह एवं स्वयं वार्ड नं.२३के वार्ड अध्यक्ष रहल राघवेन्द्र साह कएलाह ।
योग–ध्यान केन्द्र एकसप्ताहधैर चलत । जेकर प्रशिक्षक जगदिश ठाकुर रहल छथि । सामाजिक रुपान्त्रणक पक्षधर पत्रकार सुरेश यादव, हुनक श्रीमति अनिता यादव सहित स्थानीयवासीसभ योग–ध्यान हेतु सामेल छथि ।
भिन्सर पाँच बजेस’ सात बजेधरि नीयमित सातदिनधैर योगाभ्यास जनकपुरधाम वार्ड नं.२३ बेला स्थित दूधमति पुल समिप गोबिन्द मन्दिरके धर्मशालामे जारी रहत ओ जनतब भेटल ।