साहित्यकारसभाके गद्य वाचनके नओम् खेप

9 महीना पहिले प्रकाशित
127 पटक देखिएको

जनकपुरधाम । भाषिक,साहित्यिक गतिविधिकेँ निरन्तरता दैत आयल ‘मैथिली साहित्यकार सभा’ एकल मैथिली गद्य वाचन कार्यक्रमक नओम् खेप आइ पुरा कएने छै ।
स्थानीय संकट मोचन देवशरण रामरति माध्यमिक विद्यालयमे आइ शनिदिन दिनमे ‘मैथिली एकल गद्य वाचन’ कार्यक्रम कएलगेल । प्रत्येक तीन महिनामे एकबेर सभा गद्य वाचन अर्थात् कोनो एकटा सर्जकद्वारा सृजित कथाक वाचन कएल जाइत छै । आ सहभागी श्रोतागण ओहि पर टीप्पणी करैत छैथ ।
आजुका कार्यक्रममे महोत्तरी जिला निवासी कवि,कथाकार ईन्जिनियर विनोदचन्द्र झा अपन कथा वाचन कएलाह । एक घण्टामे ओ आधादर्जन कथा वाचन कएलाह । जाहि पर सटिक टीप्पणी साहित्यकार रोशन जनकपुरी प्रमुख टीप्पणीकारक रुपमे कएलाह ।
मैथिली साहित्यकार सभाक सभापाल अरविन्द कुमार यादवके सभापतित्वमे एवं पूर्व संसद बृषेशचन्द्र लालके प्रमुख आतिथ्यमे कार्यक्रम भेल ।
कार्यक्रममे प्रस्तुत कथा सभपर सीमाञ्चल सम्पादक उपेन्द्र भगत नागवंशी, शिक्षक,कवि भोला यादव, शम्भुनाथ झा संक्षिप्त टीप्पणी कएलाह ।
श्रीमति मोति झा स्वागतमे अभियान गीत गावि स्वागत कएलीह । ततहि सभाके कोषपाल देवेश्वर लाल मुन्ना स्वागत मनतव्य व्यक्त कएलाह ।
एकल मैथिली गद्य वाचन कार्यक्रमके नओम् श्रृखलामे लेखक डा.रामसागर पण्डित, पत्रकार कमल साह, सन्तोष कणर्, पूर्व सभापाल प्रेम विदेह ललन, सदस्य रामआशिष मण्डल, कवि मनोज सिंह प्रेमेश, सूर्यकान्त झा, बैजनाथ पासवान आदि सहभागी छलाह ।