स्वास्थ्यकर्मी फोरममे उपप्रधानमन्त्री पधारताह

9 महीना पहिले प्रकाशित
278 पटक देखिएको

जनकपुरधाम । ‘मधेशी स्वास्थ्यकर्मी फोरम नेपाल’के दूदिनमा राष्ट्रिय महाधिवेशनके सम्पूर्ण तयारी पुरा भेल छै । अखनु पत्रकार सम्मेलन मादे तयारी सम्बन्धि जनतब देलगेल ।
मधेश प्रदेशके राजधानी जनकपुरधाम तिरहुतियागाछी स्थित महेन्द्रनारायण मिथिला सांस्कृतिक भवनमे महाधिवेशन हेएत ।
काइल्हखन शनिदिनस’ शुरु होबबाला महाधिवेशनके उद्घाटन जनता समाजवादी पार्टी नेपालके केन्द्रिय अध्यक्ष एवं माओवादी अध्यक्ष प्रचण्ड नेतृत्वक वर्तमान गठबन्धन सरकारमे उपप्रधानमन्त्री आ स्वास्थ्य तथा जनसंख्या मन्त्री रहल उपेन्द्र यादव प्रमुख अतिथि रुपमे सामेल रहताह ।
से जनतब महाधिवेशन प्रचार प्रसार समितिक संयोजक एवं मधेशी स्वास्थ्यकर्मी फोरम नेपालके महासचिव कृषणलाल यादव जनतब देलाह ।
कर्मचारी समायोजनकेँ बादो मधेशी स्वास्थ्यकर्मीसभकेँ यावत् समस्यासभस’ लड़ैत आइब रहल छै । ओ सभकेँ की कोना आ कोन तरहें निदान कएल जाय ताहि हेतु महाधिवेशनस’ निष्कर्षमे पुंगल जाएत ।
पत्रकार सम्मेलनमे स्वागत मनतव्य व्यक्त करैत फोरमके केन्द्रिय उपाध्यक्ष रामछबिला यादव बतौलाह । हुनक कहब अनुसार २०६५ सालमे नेपालक आर्थिक नगरि बीरगञ्जमे स्वास्थ्यकर्मी फोरमके स्थापना भेल छल ।
एहिबेर दू दिवसीय चारिम महाधिवेशन होब’ जारहल छै । देशभरिकेँ सातो प्रदेशस’ ७ सय ५० गोटे प्रतिनिधि पर्यवेक्षक खुल्ला शत्रमे सामेल रहत ।
बन्दशत्रमे ३ सय ८० गोटे प्रतिनिधि आ एकसय प्रर्यवेक्षक मात्र सहभागीताके व्यवस्थापन कएलगेल छै सेहो जनतब पत्रकार सम्मेलनमे देलगेल ।
पत्रकार सम्मेलनमे फोरम सम्बद्ध केन्द्रिय कार्यवाहक अध्यक्ष सच्चिदानन्द जयसवाल, सह-कोषाध्यक्ष,लक्ष्मण यादव, केन्द्रिय सदस्य रामाशंकर यादव सहितके सहभागिता छल ।