जनकपुरधाम । महोत्तरी जिलाके मनरा सिश्वा नगर पालिका अन्तर्गत के गाम चौरीसभमे एकटा बाघ अनेरे घुइम रहल देखल जारहल छल । जे बाघ सीमापार नियन्त्रणमे लेलगेल छै ।
नरभक्षी पशु बाघस’ स्थानीयवासीसभ त्रशित छल । अत्याधिक कननकन्नी जाढ़ आ धुनि ओहि परस’ बाघके भयस’ बाध बोनमे जाएबस’ लोक घबराएल छल । हमर सबहक देशक सरोकारबाला निकायके जनसेवक सरकारी टहलुसब बाघ पकर नइ सकल ।
मुदा सीमापार भारतीय वनरक्षकसभ बाघके पकैरक राखबमे सफल भेल जनतब पत्रकारितास’ सम्बद्ध विकास आर्य जनब देने छैथ । चाइर दिनस’ मनरा सिश्वाके मधवा, सकरी, मरुवाही, बथनाहा, हलखोरी, मनरा, कटैया, सहसराम आदि ठाममे जङ्गलीबाघ हरोर मचौने छल ।
आर्याके कहब अनु्सार सीमा पार सीतामढी जिलाके वनविभागके अधिकारीसभ बाघके खरिका गामलग नियन्त्रणमे लेबमे सफल भेल छै । बाघचित्रः गुगल इमेज ।
प्रतिक्रिया