सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । प्रकाशपुञ्जके महापर्व दीयाबाती एवं लोकआस्थाके महापर्व छैठके सन्दर्भमे धनुषामे राष्ट्रियस्तरके भलिबल खेल हुअ जारहल छै । मिथिलाबिहारी नगरपालिका वार्ड नं.६ द्वारा आगामी-३०गतेस’ पुरुष तर्फके खुल्ला भलिबल प्रतियोगिता शुरु होएत ।
भलिबल खेल प्रतियोगिता अगहन ४ गतेधैर चलत । जाहिमे सहभागिता लेल २८गतेधैरके समय सम्बन्धित टीम दर्ज कराब सकैए । एकटा टीममे ९ टा खिलाड़ी एवं २टा व्यवस्थापक आ एकटा कोच सहित १२ गाटेकेँ टीम रहत ।
सम्पूणर् खेल-नियम नेपाल भलिबल संघके नियमानुसार होएत । ओहन जनतब आयोजक दिश मिबि नपा वडानं.६के अध्यक्ष रामप्रकाश यादव सीमाञ्चल समदियाकेँ देने छैथ ।
भलिबल खेल प्रतियोगितामे प्रथम स्थान प्राप्तकर्ता टीमे ५० हजार एक आ द्वितीय स्थान पर रहलके २५ हजार एकटाका नगद रकम सहित ट्राफी प्रदान कएल जाएत । अन्य विभिन्न विदामे उत्कृष्ट प्रदर्शन कएने खिलाड़ीसभके एक एक हजार टाका आ ट्राफी समेत उपहार स्वरुप प्रदान कएल जाएत खेल ओजनकर्ता समूहके संयोजक सत्यमकुमार झा बतौने छैथ ।
प्रतिक्रिया